विराटनगर, फरबरी ९, २०१८. मैथिली जिन्दाबाद!!
काल्हि ८ फरबरी वृहस्पति दिन आरोहण गुरुकुल विराटनगरक अध्यक्ष भैरव क्षेत्रीक अध्यक्षता एवं नेपालक नवनिर्वाचित राष्ट्रीय सभा सदस्य खेमराज नेपालीक प्रमुख आतिथ्य मे सम्पन्न एक आम बैसार द्वारा ई निर्णय लेल गेल जे आगामी ६-८ मार्च – त्रिदिवसीय अन्तर्राष्ट्रीय महिल रंग महोत्सवक आयोजन कयल जायत। बैसार मे सहभागी आयोजक संस्था नेपाल संगीत तथा नाट्य प्रज्ञा प्रतिष्ठान व सांस्कृतिक संस्थानक संग सह-आयोजक संस्थाक प्रतिनिधि एवं स्थानीय रंगकर्मी संस्था आदिक महत्वपूर्ण उपस्थिति छल। आजुक बैसार मे कार्यक्रमक रूपरेखाक संग आपसी कार्यभार वितरण पर चर्चा भेल। निर्णय अनुसार नेपाल सरकार अधीनस्थ आयोजक संस्था तथा स्थानीय सामाजिक संस्था बीच सहकार्य करैत एहि महत्वपूर्ण आयोजन केँ सफलतापूर्वक निष्पादन करबाक लेल सर्वसम्मति सँ प्रस्ताव पास कयल गेल अछि।
आरोहण गुरुकुल द्वारा निःशुल्क सभागार उपलब्ध करेबाक सहमति देल गेल, तहिना स्थानीय संयोजन लेल सामाजिक अभियन्ता प्रवीण नारायण चौधरी कार्यभार ग्रहण कयलन्हि। रंगकर्मी कलाकार व सहयोगी सभक वास्ते भोजन एवं आवास केर प्रबन्ध लेल स्थानीय संस्था मैथिली सेवा समिति, दहेज मुक्त मिथिला एवं अन्य सँ सहयोग लेल जायत, स्थानीय संयोजक प्रवीण नारायण चौधरी कहलनि। मैथिली सेवा समितिक अध्यक्ष डा. शंभु नाथ झा पूर्ववत् सहभागिता व सहयोग लेल वचनबद्धता प्रकट कयलन्हि।
आयोजक संस्था नेपाल संगीत तथा नाट्य प्रज्ञा प्रतिष्ठानक प्राज्ञ परिषद् सदस्य तथा नाट्य विभागक प्रमुख रमेश रंजन झा केर परिकल्पना पर आधारित ई रंगोत्सव मे सांस्कृतिक संस्थानक प्रतिनिधि राजेश थापा पूर्ण समर्थन आ सहयोगक संग संयुक्त रूप सँ आयोजन मे सहयोग लेल वचन देलनि। नेपाल केर संघीय संरचना मे एहि तरहें बहुभाषिक रंगोत्सव सच मे बहुत दूरगामी प्रभाव छोड़त ओ कहलनि। संगहि अन्तर्राष्ट्रीय महिला दिवस केर अवसर पाबि राखल जा रहल ई महिला रंगोत्सव सँ महिलावर्ग केँ कला आ रंगकर्म मे सेहो भविष्य निर्माणक एक नीक विकल्प खुलबाक बात रमेश रंजन झा द्वारा बैसार मे स्पष्ट कयल गेल।
बिराट मैथिल नाट्यकला परिषदक संस्थापक राम भजन कामत सहित चर्चित रंगकर्मी कांछा मिलन एवं अन्य सक्रिय स्वयंसेवी तथा रंगकर्मी लोकनिक सहयोग सँ ई आयोजन मे महिला रंगकर्मी द्वारा एकल प्रस्तुतिक संग-संग विभिन्न अन्य विमर्श कार्यक्रम, कवि-गोष्ठी एवं सांस्कृतिक कार्यक्रम सभक आयोजन कयल जायत। लगभग १५ गोट महिला रंगकर्मीक एकल प्रस्तुति एक मुख्य स्वरूप रहत। नेपाली, मैथिली एवं अन्य भाषा सभ मे रंगकर्मक प्रस्तुति होयत। भारत व नेपालक अतिरिक्त अन्य मुलुक सँ सेहो रंगकर्मी सहभागी बनि सकैत छथि। ई एक राष्ट्रीय महोत्सवक तर्ज पर आयोजित होयत।
प्रमुख अतिथि खेमराज नेपाली एक दिन पूर्वहि राष्ट्रीय सभा सदस्यक चुनाव सँ निर्वाचित सांसद बनिकय अपन चिर-परिचित रुचि मुताबिक भाषा, संस्कृति, रंगकर्म आ समाजसेवा मे समर्पणक सुन्दर उदाहरण बनबैत आजुक बैसार मे सेहो उपस्थिति देलनि। एहि कार्यक्रमक सफलता सँ नेपालक महिला रंगकर्म केँ एकटा नव ऊँचाई त भेटबे करत, संगहि विराटनगर मे ई आयोजन भेला सँ एहि क्षेत्रक अग्रसरता एकटा आरो नव इतिहास निर्माण करबाक बात ओ कहलनि। अध्यक्ष भैरव क्षेत्री समापन संबोधन मे आयोजक सहित सहयोगी लोकनि केँ धन्यवाद ज्ञापन करैत रंग महोत्सव सभक साझा प्रतिष्ठाक विषय होयबाक बात कहैत तन-मन-धन सँ लागिकय सफल बनेबाक अपील कयलनि।