दरभंगियाक सेरायल खून पर फूकास्टिंगक अग्नि-प्रहार

स्रोत जागरण समाचार: फोटो जागरण

समस्त उत्तर बिहार मे मात्र मुजफ्फरपुर केर नाम स्मार्ट सिटी बनेबाक १०० सिटीक नाम संग जुड़ल अछि। जखन कि गंगाक दक्षिण, ४ टा शहर बिहार सँ स्मार्ट सिटी मे जुड़ल। एहि विन्दु पर मिथिला क्षेत्रक उपेक्षा आ उपहास वर्दाश्त योग्य नहि हेबाक कारण देखबैत अपनहि दलक सरकारक निर्णय प्रति दरभंगाक सांसद कीर्ति आजाद असंतोष व्यक्त करैत प्रधानमंत्री संग पुन: माँग केला जे एहि लेल ओ स्वयं पहल करैथ। देखा चाही जे एहि माँग पर प्रधानमंत्री या शहरी विकास मंत्री या फेर कोनो भी सरोकारवालाक कतेक ध्यान जाइत छैक। एकटा नवोदित संस्था मिथिला स्टुडेन्ट युनियन द्वारा सेहो एहि लेल दिल्ली मे शान्ति मार्च बिना अशान्ति पसरने करत, सेहो खूब जोर-शोर सँ फेसबुक पर प्रचार कैल जा रहल अछि। लेकिन आइ धरिक संपूर्ण फूकास्टिंग (फेसबुक सँ हावाबाजी) पर गौर कैल जाय तऽ सौ मे सँ सातो टा कार्य सकारात्मक रूप मे पूरा नहि कैल जा सकल अछि। एकटा टन्ना आवाज कीर्ति आजाद पर सेहो लोक आरोप लगबैत अछि जे इहो केवल हावाबाजिये कऽ के शान्त होइत छथि, बेसीकाल ध्यान एम्हरे-ओम्हर रहैत छन्हि। हलाँकि एहि मे कतहु दुइ मत नहि जे एकटा टन्नो आवाज बनिकय मिथिला केँ कम सँ कम पेपर आ मिडिया मे नामित केने रहैत छथि। सार्थक परिवर्तन तऽ भेलाक बादे बुझायत। कहियो हिनकर योजना पर बिहार सरकार अंकुश लगौने रहैत अछि, कहियो ई अपने नदारद रहैत छथि, कहियो हिनकर चमचा-बेलचा सब हाकिमगिरी मे समय खराब करैत अछि। लेकिन काज अधर मे लटकले रहि जाइत अछि।

हालहि दरभंगा केँ वायु मार्ग सँ जोड़बाक पहल फेसबुक सँ भेल छल। सरकार भले एहि पर कोनो ध्यान नहि देने हो, मुदा बंगलुरु केर एक निजी वायुसेवा देनिहार कंपनी द्वारा आवश्यक गृहकार्य करैत एहि लेल भरोस देल गेल अछि जे ओ दरभंगा तक अपन उड़ान शुरु करत। विदित अछि जे दरभंगा मे एम्स खोलल जाय तेकरो माँग २०१५-१६ केर बजट मे एहि बातक चर्चा जे बिहार मे एकटा आरो एम्स खुजत केलाक बाद उठल छल। एहेन अनेको अभियान खाली नाम लेल चलैत अछि, पेपर मे समाचार बनिकय शिथिल पड़ि जाइत अछि। जनभावना मे एहि उपेक्षाक विरुद्ध संघर्ष करबाक कूबत न नेता मे, नहिये जनता मे। उपेक्षाक मारि पहिने उद्योग-धंधा एतय सँ विस्थापित करौलक, पुन: स्वदेशी माछ, मखान आ पान केर कृषि आधारित पेशा सेहो मरनासण्ण बनि गेल आ हालहि ट्रिपल आइटी सेहो दरभंगा सँ हँटाकय दक्षिण बिहार बिहटा मे स्थानान्तरित कैल गेल। दरभंगाक हालत सब दिन बद सँ बदतर भेल जा रहल अछि, कारण एहि ठामक नेता आ जनता मात्र गप्प आ हावाबाजी सँ परिवर्तनक माँग केवल पेपर मे उठाकय शान्त होयबाक आदी बनि गेल छथि।