Search

admin

मिथिलाक फल: आम

अहां मज्जरमे आबी ने आबी मुदा… टिकुलामे आयब जरूर सजना पछिला वर्षक निराशा के तोड़ैत एहि बेर आम केर मज्जर मिथिलाक जनमानस मे संतोष दऽ रहल अछि। मिथिला भ्रमण क्रम एहेन देखल जा रहल अछि। गृहस्थ लोकनि मज्जर पर कीटनाशक दबाइ केर छिड़काव कय रहलाह अछि आ हुनका सभक मुह पर मुस्की पसरल अछि। नव मिथिलाक फल: आम

बधाई ज्ञापन!!

दिल्ली केँ हार्दिक बधाई! यथार्थ रूप मे महाभियानक संचालक – दिल्ली मे मैथिली ओ मिथिलाक झंडा गाड़निहार एक पुरोधा – सदैव कर्मठताक संग आगू बढैत – केहनो संघर्ष मे जीत हासिल करैत अपन मातृभूमि आ मातृभाषा प्रति पूर्ण समर्पित – मुदा अपन कठोर सिद्धान्त आ जिद्द लेल सेहो प्रसिद्ध, हिनकर आजीवन योगदानक कदर करैत एहि बधाई ज्ञापन!!

मैथिली जिन्दाबाद – (लोगो परिचय आ प्रस्तुति)

मैथिलीक गुण गरिमा गायत, मैथिली जिन्दाबाद कहायत। देश-विदेशक बात बतायत, मैथिली जिन्दाबाद कहायत॥ दुइ मित्र देशक झण्डा फहरायत, मैथिली जिन्दाबाद कहायत। सर शोभित सोन पाग विराजत, मैथिली जिन्दाबाद कहायत॥ माछ मखान आ पान दर्शायत, मैथिली जिन्दाबाद कहायत। दुहु देशक पत्रकार जितायत, मैथिली जिन्दाबाद कहायत॥ सुसंस्कृति संस्कार बतायत, मैथिली जिन्दाबाद कहायत। मैथिल केँ साहित्य पढायत, मैथिली मैथिली जिन्दाबाद – (लोगो परिचय आ प्रस्तुति)

सौतिन केर प्रदर्शन २७ सँ

किसलय कृष्ण, मिथिला। मैथिली जिन्दाबाद, २२ मार्च, २०१५ । मैथिली फिल्म हमर सौतिनक प्रदर्शन एक संग २५ सिनेमाघरमे भ रहल अछि । आगामी २७ मार्चकें मिथिलाक विभिन्न जिलामे प्रदर्शित हुअ जा रहल एहि फिल्मक प्रचार प्रसार युद्धस्तर पर भ रहल अछि । सन्तोष झा निर्मित उक्त फिल्मक संगीतकार पवन नारायण जानकारी दैत कहलनि जे फिल्मक सौतिन केर प्रदर्शन २७ सँ

सर्वभाषा कवि सम्मेलन संपन्न

दिलीप झा, मधुबनी। मैथिली जिन्दाबाद, २२ मार्च, २०१५। मधुबनी जिला प्रशासन द्वारा बिहार दिवस पर आयोजित सर्वभाषा कवि सम्मेलन केर आयोजन कैल गेल छल। एहि सम्मेलन मे कुल ४० कवि कविता वाचन कएलनि। एहि मे २६ कविता मैथिली भाषा मे छल। विदित हो जे पूर्व मे प्रशासनक दखल सँ मैथिली केँ मंच तक नहि देल सर्वभाषा कवि सम्मेलन संपन्न

मैथिल प्रवाहिका द्वारा संस्कृति आ भाषायी समन्वय कार्यक्रम

श्यामल सुमन, रायपुर। मैथिली जिन्दाबाद, मार्च २२, २०१५ । मैथिल प्रवाहिका रायपुर – छत्तीसगढ द्वारा राष्ट्रीय संगोष्ठी सह बहुभाषीय कवि सम्मेलन बेबीलोन होटल सभागार मे मनायल गेल। संयोजक श्री मनीष झा, अध्यक्षता डा. अशोक अविचल आ संचालन श्री श्यामल सुमन द्वारा कैल गेल। भारतक विभिन्न संस्कृति आ भाषा बीच समन्वयक उद्देश्य सँ आयोजित उपरोक्त समारोह मैथिल प्रवाहिका द्वारा संस्कृति आ भाषायी समन्वय कार्यक्रम

दहेज मुक्त मिथिलाक बढैत डेग

वैद्य ओ पी महतो, दरभंगा। मैथिली जिन्दाबाद, २२ मार्च, २०१५। बिठौली गामक बाबा महेश्वरनाथ मंदिर पर दहेज मुक्त मिथिला द्वारा आयोजित जन सम्पर्क कार्यक्रमक एक टा बैसार कयल गेल जाहि में सर्व श्री श्याम झा,संजय कुमार मंडल,रमेश मिश्र,वंशी बट मिश्र,रामदयाल राय,दिनेश राय,रामाकान्त राय,दिगम्बर मिश्र,हरे गोविन्द राय,पुरुषोत्तम राय,दिवाकर राय,वैद्य ओ पी महतो,संजय मिश्रा,रामशंकर झा,रामदयाल राय आ दहेज मुक्त मिथिलाक बढैत डेग

कतय खुजत एम्स?

हालहि बजट भाषण सँ भारत सरकारक घोषणा भेल जे बिहार मे एकटा आरो एम्स केर स्थापना कैल जायत। सोशियल मिडिया तक ई बात पहुँचय मे देरी नहि भेल आ विभिन्न जिलावासी अपना-अपना जिला लेल एम्स स्थापनाक माँग संग आवाज उठबैत अपन-अपन जनप्रतिनिधि सब पर दबाव बनबय लगलाह। एहि मे दरभंगा आ सहरसा सबसँ बेसी आगाँ कतय खुजत एम्स?