मैथिल कन्या ‘कोमल झा’: कला तथा फिल्म क्षेत्र मे प्रसिद्ध

मैथिल कन्या कोमल झा - ईन्जिनियर तथा फिल्म अभिनेत्री - मिथिलाक मैथिली केर परिचय सँ करोड़ों मैथिल अन्जान, परिचय लेल मैथिली जिन्दाबाद केर विशेष अभियान।

नाम: कोमल झा

komal jha2

जन्मदिन: मार्च १५, १९८७ ई.

मूल स्थान: राँची, झारखण्ड

वर्तमान: मुंबई, महाराष्ट्र

विशेषता: Engineer, फिल्म अभिनेत्री

शिक्षा: डीएवी, श्यामली, राँची तथा एम एस रमैया इन्स्टीच्युट अफ टेक्नोलाजी

ईमेल: [email protected]

komal jha

Followers on Facebook: Above 200,000

Page Likes: Above 1,600,000

 

कोमल झा नाम अनुरूप कोमल आ भावुकता सँ भरल मृदुल आ सुन्दरी मे सँ एक हस्तीक नाम थीक। प्रारंभिक शिक्षा-दीक्षा सँ लैत उच्च शिक्षा पूरा करैत अपन दखल कला तथा अभिनय क्षेत्र मे सेहो स्थापित करबाक लेल जीतोड़ मेहनत केलनि आ आइ अपन लाखों प्रशंसक केर संग कोमल मधुर तथा सरस सफल जीवन जीबि रहली अछि।

कोमल लाखों मैथिल कन्याक लेल प्रेरणा छथि। मैथिली जिन्दाबाद हिनकर साक्षात्कार प्रकाशित करबाक लेल सम्पर्क केने अछि। आशा करैत छी जे शीघ्र हिनकर विषय मे आरो बहुत जानकारी एहि न्युज वेब पोर्टल द्वारा प्रकाशित कैल जायत।

मैथिली जिन्दाबाद केर लक्ष्य छैक जे वर्तमान मिथिलाक आधुनिक समाज मे मैथिलानीक भूमिका बिना कोनो उपलब्धिमूलक कार्य संभव नहि छैक। एक बेर पुन: गार्गी आ मैत्रेयी केँ सोझाँ आबहे टा पड़त, तखनहि याज्ञवल्क्य आ गौतम सबहक मूल शक्ति कार्यक होयत।