मिथिला आगू बढिकय रहतः विद्यापति केन्द्र

अगस्त २२, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!

आइ विद्यापति केन्द्र केर पदाधिकारी – परिकल्पक युवाद्वय देवेश प्रफूल्ल आ अनमोल सिंह सँ मैथिली जिन्दाबाद केर संपादक प्रवीण नारायण चौधरीक भेंट पर आधारित एकटा जनतब सोझाँ राखल जा रहल अछि। एहि सँ स्पष्ट अछि जे मिथिलाक पुण्य भूमि पर अवसरक संग स्रोत-साधनक कमी नहि, बस लगानीकर्ताक सक्रियता होएत देरी एतय विकासक क्रान्ति आयत ताहि मे दुइ मत नहि। कृषि, शिक्षा, स्वास्थ्य, सेवा – हरेक क्षेत्र मे अवसरक कमी नहि अछि। आउ पढू पूरा समाद।

मिथिला केँ आगू बढय सँ कियो नहि रोकि सकैछः विद्यापति केन्द्र
 
हम सब काफी रास विन्दु पर बात कय रहलहुँ अछि। आर ई बहुत नीक लागल जे स्वाबलंबन केर प्रसाद जन-जन धरि पहुँचेबाक लेल ‘विद्यापति केन्द्र’ मिथिलाक मूल धरातल पर बहुत रास योजना संग आगू बढि रहला अछि। सब सँ बेसी खुशीक बात जे एहि परियोजना केँ सफल बनेबाक लेल दिन-राति मेहनत कय रहला युवाशक्ति मे अपन मौलिक मातृभूमिक पिछड़ापण हँटेबाक एकटा मजबूत दृष्टिकोण देखि रहल छी। आउ देखी एक नजरि मे विद्यापति केन्द्र द्वारा आगामी समय मे कतेक पैघ आयोजन कएल जायत।
 
विद्यापति केन्द्र केर आगामी प्रस्तावित इवेन्ट अछि अन्तर्राष्ट्रीय विद्यापति मेगा एग्रो फेयर २०१७ केर आयोजन आगामी १४-१६ अक्टुबर, २०१७ मे होयत। एहि आयोजन मे कुल ७० देशक लगानीकर्ता, उद्योगपति, विद्वान्, मानव अधिकारकर्मी, कृषक, आदिक सहभागिता रहत। तहिना सरकारी, गैर-सरकारी, निजी संस्थान – शैक्षिक संस्थान, स्वास्थ्य सम्बन्धी संस्थान – लगभग ५००० डेलिगेट्स (प्रदर्शनी सहभागिता) एहि महत्वपूर्ण अन्तर्राष्ट्रीय मेला मे भाग लेता, केन्द्रक टीम ओहि तरहक तैयारी मे लागल अछि।
 
आरो विस्तार सँ एहि पर चर्चा करब, एक बेर विवरणिका सँ प्राप्त जनतब पर अंग्रेजी मे दृष्टिपात करबाक लेल निम्न विवरण अहाँ सभक जानकारी लेल राखि रहल छी।
 
Event: International Vidyapati Mega Agro Fair 2017
Venue: Forbesgunj, Araria.
Expected Dates: 14-16 October, 2017.
Expected Delegates: 70 Countries – Investors, Industrialists, Scholars, Humanitarian, Farmers, etc. Private and Government Companies, Non-Government Organization, Educational Institution, Hospital & Other Health Establishments – total number of stalls approx 5000
 
International Fair to include Agro Fair, Industrial Fair, Job Fair, Education Fair, Health Fair,
 
Cultural Programs & Counseling
 
विद्यापति केन्द्र द्वारा प्रस्तावित अन्तर्राष्ट्रीय मेला मिथिलत्व सँ विश्व परिवेश केँ कोना परिचित कराओतः ताहि पर उपलब्ध जनतब सेहो बहुत प्रेरणास्पद लागल।
 
Vidyapati Jagran Chetna – Vidyapati is our God – He is the only impression and supreme leader under whose shadow we live this life. On life of Vidyapati – spiritual aspects of his life, his deed, contribution, etc. All his creations (poetry) are Mantra for human life. It’s a myth that he was just a poet, the truth is that he was himself a God so Lord Shiva came to him.
 
Awareness for caring of Parent – Parents who have brought us on this earth are to be worshiped. They must be cared well by all offspring. Any parent deprived of love from their children should be adopted by us having similar feelings as with our own parents.
 
Investor and Industrial Summit – as explained above in the event part. Mithila to be showcased. Availability of resources, opportunities, etc.
 
Awarding the real worker: those working on ground should be awarded to motivate more people to work on real ground.
 
Employment: to meet the basic needs of life, employment generation is first and foremost requirement.
 
Initiative to stop migration: Lok Palayan is a serious problem seen in this area – the vision is to stop migration of people to other zones for work.
 
Direct Communication Between Government & Citizens: Having stall from government agencies and also from private sectors, people will get opportunity to understand both from very near.
 
Product & Service Facilitation Awareness by Brand Directly – product and brand promotion
 
Solving issued related with agriculture – by specialist consultants, experts, etc. More especially from the overseas agencies.
 
Glance of initiative like Made in Mithila, Vidyapati Knowledge, etc. – focus by the organizer on lines of few thematic visions.
 
Cultural Programs and other entertaining activities – expected participants from Bollywood to local artist.
 
A bridge among entrepreneur, farmer, retailer and all other social stakeholder – event target
 
A world level panorama in rural area as delegates from many countries will create impact.
 
Changing perception of Bihar and India, showcasing the opportunities available here.
 
Educational initiative and glance of future of Mithila
 
Religion and community cohesion
 
Spirituality, Culture, Peace and Showcase of combination of Mind Body Soul
 
परियोजनाकार – देवेश प्रफूल्ल एवम् अनमोल सिंह सँ वृहत् वार्ता सँ काफी प्रसन्नता भेटल। संगहि मिथिला राज्य निर्माण केर क्रम मे एहि तरहक परियोजना केँ सफल बनेबाक लेल सामूहिक योगदान देबाक प्रेरणा सेहो भेटल। हम सब प्रतिबद्ध छी जे अपन मातृभूमि केर सेवा मे हर समय, हर क्षण आ हर कारण सँ लागल रहब। एहि ठाम ई पोस्ट करबाक मक्सद ईहो अछि जे विद्यापति केन्द्र केर पुनीत उद्देश्य आर सपना केँ साकार करबाक लेल अपने लोकनि सेहो एहि मे जुड़ी।
 
Contact Team:
Coordinator: Anmol Singh – +91-8294405229
Office: College Chowk, Forbesgunj, Araria, Bihar.
Website: www.corporatemithila.com
 
हमरा लोकनि सुपरिचित होइ जे एहि समस्त उपक्रम केर संस्थापक, प्रेरक, स्रोत आ संचालक सुप्रसिद्ध फिल्म कलाकार फूल सिंह छथि। ‘कखन हरब देखू मोर’ मैथिली फिल्म आर ‘हे भोलेनाथ’ हिन्दी वर्जन केर फिल्म जे महाकवि विद्यापति पर आधारित अछि ताहि मे स्वयं विद्यापतिक भूमिका निर्वाह कएने छथि। एतबा नहि, ओ अपन जीवन महाकवि विद्यापति केर सेवा मे समर्पित कय चुकल छथि। हिनकर सीधा मानब छन्हि जे महाकवि भगवान् केर अवतार छलाह, ताहि सँ महादेव हुनका संग रहलाह। श्री फूल सिंह जतय-कतहु पहुँचैत छथि – समस्त मानव समुदाय सँ विद्यापति केर चमत्कारिक जीवन आर भेटल प्रेरणा सँ अवगत करबैत मिथिलाक ऐतिहासिकता आ पौराणिकता केँ स्थापित करैत छथि। विद्यापति सेवा केन्द्र केर एहि पुनीत उद्देश्य केर सफलता लेल हमहुँ सब वचनबद्ध छी।
 
हरिः हरः!!