नेपाल भूकंप: राहत वितरण व्यवस्थापनमे कमजोरी

शनि दिन आयल महाविनाशकारी भूकंप सँ प्रभावित मूलत: काठमांडु आ आसपासक पहाड़ी जिल्ला मे राहत वितरणक अवस्था नाजुक बनल अछि। लोक अन्न आ पानि बेतर तरैस रहल अछि आ कोहुना प्रभावित क्षेत्र सँ बाहर निकलबाक लेल प्रयास मे लागल अछि। सब सँ बेसी खराब अवस्था अबोध बाल-बालिका आ महिलाजन केर छैक जे भूकंपक बादहि सँ घर सँ बाहर मैदानी क्षेत्र मे शरण लेने अछि। अपना संग रहल खाद्य-पदार्थ, पानि आदिक मात्रा क्रमश: खत्म होइत देखि आ कतेको लोकक पास किछुओ उपलब्ध नहि रहि जेबाक कारणे अफरा-तफरी बेसी रहबाक जानकारी भेटल अछि। राहत-व्यवस्थापन मे स्थानीय प्रशासन तथा विभिन्न विदेशी एजेन्सी बीच कोनो खास तालमेलक अभाव मे जरुरतमंद लोक तक राहत-सामग्री नहि पहुँचि सकल अछि। बेसी रास राहत एयरपोर्ट आ काठमांडु शहरक मुख्य स्थान आदि मे मात्र देल जेबाक समाचार भेटल अछि। सुदूरवर्ती आ भितरिया क्षेत्र मे स्थानीय प्रशासनक मदति सँ राहत टोली केँ पहुँचय मे देरी भेला सँ खसल घरक बुर्ज सँ आब जीबित लोककेँ निकालबाक संभावना नगण्य भेल जा रहल अछि।

आइ नेपाल सरकारक आधिकारिक घोषणा मे कोनो पैघ भूकंप फेर नहि अयबाक बात कहि लोककेँ अपन घर वापसी करबाक लेल अपील कैल गेल अछि। घोषणा मे स्पष्ट कैल गेल अछि जे रवि दिन साढे दस बजे भोरक बाद कोनो कंपन रेक्टर स्केल पर ४ सँ बेसी नहि आयल अछि। सोम दिन १० बजेक बाद कोनो प्रकारक कंपन महसूस नहि कैल गेल अछि। स्थानीय प्रशासन सँ आवश्यक खाद्य-वस्तु आ जनजीवन लेल जरुरी के समान बिक्री-वितरण लेल दोकान आदि केँ अनिवार्य रूप सँ खोलबाक अनुरोध कैल गेल अछि। काठमांडु, भक्तपुर, ललितपुर – एहि तीन मुख्य ठामक प्रशासन के अपन-अपन क्षेत्रक आहत लोक लेल पूर्ण सजगता सँ कार्य करबाक अनुरोध कैल गेल अछि। आइ एकटा सर्वदलीय बैसार सेहो भूकंप उपरान्तक परिस्थितिक समीक्षा लेल कैल गेल अछि। भारतीय मिडिया आ राहत टोली धीरे-धीरे अपन कार्यक्षेत्रक दायरा सेहो बढा रहल अछि। सैकड़ों स्वयंसेवी भारत सँ आबि एहि राहत-कार्यमे मानवीय सेवा पहुँचा रहल अछि जाहि प्रति कतेको पीड़ित परिवारक नजरि मे भारत-नेपालक मैत्रीक सराहना सेहो कैल जा रहल अछि।

रत्नापार्क, टुंडिखेल, नया वानेश्वर, कोटेश्वर, पशुपतिक्षेत्र, गौशाला, ज्ञानेश्वर, एयरपोर्ट, तिनकुने तथा अन्य क्षेत्रक मैदानमे सैकड़ों कैम्प लगाय लोक शरण लेने अछि आ अफरातफरीक माहौल मे राहत सामग्रीक वितरण व्यवस्थित नहि कैल जा सकबाक कारण लोक पानि-पानि लेल तरैस रहल अछि। एकर अतिरिक्त अन्य भितरी स्थान मे सेहो हरेक ठाम शरण लेने लोक तक राहत नहि पहुँचि पाबि रहल अछि। भक्तपुर, ललितपुर, पाटन, आदि मे सेहो किछु यैह तरहक अफरातफरी सँ अछैत राहत लोक तक कोनो वितरण समुचित ढंग सँ नहि पहुँचि पाबि रहल अछि। हलाँकि आइ अधिकांश क्षेत्र मे दोकान सब सेहो खुजय लागल अछि आ जनताकेँ महंगो-सहंग समान उपलब्ध हेबा सँ किछु राहत जरुर पहुँचबाक खबैड़ सेहो भेटल अछि। एम्हर प्रशासनिक अधिकारी समक्ष इहो चुनौती आयल अछि जे राहत सामग्री प्रभावित लोकक हाथ मे पड़य। आइ किछु उग्र भीड़ द्वारा सरकार विरुद्ध पाइन तक इन्तजाम नहि कय सकबाक कारण नारा-जुलूस प्रदर्शनी सेहो कैल जेबाक समाचार अछि।

काठमांडु सँ सटल आ नजदीक आन-आन प्रभावित जिला काभ्रेपलान्चोक, गोरखा व अन्य मे सेहो अवस्था एकदम नाजुक अछि। राहत सामग्री पहुँचेबाक लेल सड़क सँ जुड़ाव नहि रहि गेलाक कारण आ मौसम सेहो खराब रहलाक कारण ओहि क्षेत्र मे जान-मालक बेसिये नोकसान होयबाक आशंका कैल जा रहल अछि।