डीडी मैथिली तथा आकाशवाणी केन्द्र लेल आन्दोलनः मिरानिसे

दरभंगा, जनवरी २०, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!

mrns dharna akashvaniमिथिला राज्य निर्माण सेना द्वारा मधुबनी जिला मे आकाशवाणी केन्द्रक स्थापना लेल २००४ मे तत्कालीन सूचना तथा प्रसारण मंत्री रवि शंकर प्रसाद द्वारा आधारशिला पर्यन्त राखल गेलाक बाद आगामी यूपीए सरकार द्वारा राज्य सरकार मार्फत जमीन सम्बन्धी आवश्यक कार्रबाई समय पर पूरा नहि होयबाक कारण बाद मे एहि योजना केँ स्थगन कएल जेबाक निर्णय विरुद्ध आकाशवाणी दरभंगा समक्ष एक दिवसीय धरना राखय जा रहल अछि जाहि मे मुख्य रूप सँ तीन टा मांग कएल जायत – १. मधुबनी आकाशवाणीक शीघ्र स्थापना २. भाषाक आधार पर डीडी मैथिली केर स्थापना तथा ३. दरभंगा आकाशवाणी सँ मैथिली कार्यक्रमक अधिकता। मिरानिसे द्वारा एहि धरनाक संयोजन प्रसिद्ध साहित्यकार – संचारकर्मी एवं मिथिला राज्य निर्माण सेनाक सल्लाहकार अजित आजाद केँ सौंपल जेबाक समाचार अछि।

विदित हो जे ‘साहित्यांगन’ झंझारपुर द्वारा हालहि मैथिल दिवस – ८ जनवरी आयोजित एक गोष्ठी सँ डीडी मैथिली सहित आरो किछु मांग उठायल गेल छल आर एहि मांग केँ पूरा करबाक लेल आन्दोलनक चेतावनी सेहो देल गेल छल। साहित्यांगन केर मांग प्रति समर्थन जतबैत अजित आजाद केर आह्वानपर मिथिला राज्य निर्माण सेना विगत मे सेहो उठौने रहल एहि मांग पर पुनः आन्दोलनक आवश्यकता बुझि २३ जनवरी १ दिवसीय धरनाक घोषणा कैल गेल अछि।

मधुबनी एहेन विशाल क्षेत्रफल केर जिला मुख्यालय मे आकाशवाणी केन्द्र सँ एहि क्षेत्रक जनता लेल बड पैघ लाभ भेटब तय अछि। आइ एम्हर कोनो रेडियो प्रसारण व्यवस्था नहि होयबाक कारण ब्यापारी-व्यवसायी व अन्य विज्ञापन लेल नेपाल मे स्थापित छोट-मोट एफएम सब पर लोक निर्भर करैत अछि। एहि ठामक प्रबुद्ध वर्गक नागरिक अपन बौद्धिकता सँ आम जनमानस केँ शिक्षित करबाक लेल लिल्लोह रहि जाएत छथि। भाषाक विकास पर्यन्त ठमकल रहि जाएत छैक। रेडियो सँ जाहि तरहें कलाकार, गीतकार, समाचार, आदिक प्रस्तोता सब केँ एकटा अवसर – रोजगार आदि भेटैत छैक ताहु लेल केन्द्र सरकार सँ गछल सुविधा नहि भेटब बहुत पैघ षड्यन्त्र व अन्याय समान बुझाएछ। अतः आब ई निर्णायक आन्दोलन करब जरुरी अछि। ई बात आन्दोलनक संयोजक अजित आजाद कहलैन।

प्रसार भारती द्वारा आकाशवाणी केन्द्रक स्थापनाक उद्देश्य सेहो मानैत अछि जे भारत मे प्रसारण राष्ट्रीय सेवा होयबाक कारण ई जन संचार लेल अत्यधिक शक्तिशाली साधन थीक। भारत एहेन विकासशील देश जतय कि आन-आन प्रचारक साधन एतेक सुगमता सँ उपलब्ध नहि होएत छैक, आकाशवाणी सूचना तथा शिक्षाक साधनक रूप मे महत्वपूर्ण भूमिका अदा करैत अछि।

आकाशवाणी सुदृढ प्रसारण माध्यमक जरिया सँ समस्त देशक जनता केँ सरकारक नीति, योजना, कार्यक्रम और उपलब्धिक बारे मे कार्यक्रमक माध्यम सँ सूचना प्रदान करैत अछि। आकाशवाणी जनता केँ महत्वपूर्ण सूचना, समाचार तथा सामयिक महत्वक वर्तमान-कालिक घटनाक बारे मे सूचना प्रदान करैत अछि तथा पर्याप्त रुचिगर मनोरंजनक कार्यक्रम सेहो प्रसारित करैत अछि। आकाशवाणी अपन प्रसारणक मार्फत सँ शिक्षा, राष्ट्रीय एकता केँ बढावा दैत अछि तथा भारतीय संस्कृतिक विभिन्न पहलू केँ सेहो विकसित करैत अछि। ई प्राकृतिक विपत्ति सनक समय मे जनता और सरकारी विभाग केँ तत्काल सूचना दैत समयपर सहायता पहुँचेबाक काज सेहो करैत अछि। संछेप मे, आकाशवाणी सांस्कृतिक, शैक्षिक, वैज्ञानिक, कृषि-सम्बन्धी, स्वास्थ्य सम्बन्धी, विज्ञान सम्बन्धी, ललितकला तथा सामाजिक सांस्कृतिक विषय आदिपर विभिन्न कार्यक्रम तैयार कय विभिन्न भाषाक माध्यम सँ लोक केँ सूचना प्रदान करैत अछि, शिक्षित करैत अछि तथा मनोरंजन सेहो प्रदान करैत अछि और विज्ञापन प्रसारणक माध्यम सँ ओ सरकार केँ पर्याप्त राजश्व सेहो कमाकय दैत अछि।