मैथिल सदरे आलम गौहर सम्मानित

हालहि संपन्न अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली कवि सम्मेलन २०१५ मे सदरे गौहर

समाचार स्रोत: मधुबनी समाचार।

हालहि संपन्न अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली कवि सम्मेलन २०१५ मे सदरे गौहर
हालहि संपन्न अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली कवि सम्मेलन २०१५ मे सदरे गौहर

कवि, कथाकार प्रो. सदरे आलम गौहार केँ हुनक रचना गोनू झाक खिस्सा लेल बिहार उर्दू अकादमी अवार्ड सँ सम्मानित कैल गेल।

बिहार प्रदेश अल्पसंख्यक कल्याण मंत्री नौशाद आलम पटना उर्दू अकादमीक सभागृह मे आयोजित समारोह मे, साहित्यिक संस्था ज्योत्सना मंडल सँ जुडल कवि, कथाकार प्रो. सदरे आलम गौहार केँ हुनक रचना ‘गोनू झा के किस्से’ लेल बिहार उर्दू अकादमी अवार्ड सँ सम्मानित केलनि। अकादमीक सचिव इम्तियाज अहमद करीम केर अध्यक्षता व फखरुद्दीन आरीफक संचालन मे भेल कार्यक्रम मे एमएचएएफ विश्व विद्यालयक कुलपति प्रो. एजाज अली अरशद, उप कुलपति डा. तौकीर आलम, प्रो. शमशाद हुसैन, अलीमुल्लाह आली एसएम अजमल फरीद सहित अनेको उर्दुभाषाक हस्ती-हस्ताक्षर लोकनिक मौजूदगी मे भेल। अवार्ड भेटबा पर लोक सब प्रसन्नता प्रकट केलनि।