मिथिला राज्य लेल १८ जुलाई केँ रूटीन धरना-प्रदर्शन जन्तर-मन्तरपर

दिल्ली, जुलाई १६, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!

dharna jantar mantarपरसू १८ जुलाई सोम दिन भारतीय संसद केर नव सेशनक शुरुआतक दिन अखिल भारतीय मिथिला राज्य संघर्ष समिति द्वारा रूटीन धरना-प्रदर्शन कैल जायत। ई समाचार समितिक महासचिव शिशिर कुमार झा अपन फेसबुक मार्फत सँ करबैत एहि मे एनसीआर (दिल्ली व आसपास) सँ मिथिलावासी सब केँ सहभागी बनबाक अपील कएलनि अछि।

विदित अछि जे मैथिली भाषा केँ संविधानक आठम अनुसूची मे स्थान देलाक बाद सँ लगातार उपरोक्त अखिल भारतीय मिथिला राज्य संघर्ष समिति डा. बैद्यनाथ चौधरी बेजू केर अध्यक्षता मे हरेक संसद सत्र केर आरंभ हेबाक दिवस पर जन्तर-मन्तर पर एक दिवसीय धरना प्रदर्शन करैत आबि रहल अछि।

एहि धरना मे यदा-कदा राष्ट्रीय स्तरक नेता लोकनि सेहो सहभागी बनिकय मिथिला राज्यक मांग केँ अपन समर्थन दैत आयल छथि। पृथक् राज्य केर मांग मूल गृह राज्य केर मिथिलाक्षेत्र संग विभेदपूर्ण नीति आ आर्थिक विकास मे घोर उपेक्षाक कारण कैल जाएत अछि। संगहि नीतिगत रूप मे एहि क्षेत्रक अधिकांश लोक केँ गरीबी रेखा सँ नीचां राखि देशक आन भाग मे मजदूर बनि मजूरी करबाक लेल बाध्य कैल जाएछ। लोकपलायनक दंश सँ आब मिथिलाक अपन पौराणिक आ मौलिक महत्व लगभग मृतप्राय बनि गेल अछि। समितिक अधिकारी लोकनिक भावना अनुरूप जाबत बिहार सँ मिथिला केँ अलग अस्तित्व निर्माण नहि होयत ताबत मिथिलाक विकास संभव नहि अछि।

महासचिव शिशिर कुमार झा एहि बेर अपन एक खास कविता रचनाक संग विशेष आह्वान कएलनि अछि आम जनसहभागिता लेल।

आंदोलनक पहिया

भाषा कानथि, भाषी कानथि, कानथि सीता मैया।
मिथिलाक दर्द असहनीय भ गेल, जागू मैथिल भैया॥

आब नै त कहिया, आंदोलनक घूमि रहल अछि पहिया॥

धरती हमर वीरान भेल, कतय खेत-खरिहान गेल।
नवतुरिया के पलायन भेल, शिक्षा के अवसान भेल।
क्रांतिदूत मिथिला सेनानी, पार लगेतैय नैया।
आब नहिं त कहिया, आंदोलनक घूमि रहल अछि पहिया॥

मिथिला के दू फाड़ भेल, सहन केलौं हम।
जातिवाद के मारि पड़ल, सहन केलौं हम।
पेटक आगि बुझाबय खातिर, अपने देश मे भेलौं परदेसिया।
आब नै त कहिया, आंदोलनक घूमि रहल अछि पहिया।।

बूढवा-जुअनका सब सुनू यौ, सड़क सँ संसद तक लड़ू यौ।
मातृभूमि आ मातृभाषा लेल, कर्ज चुकेनाय फर्ज बुझू यौ।
मायक दूधक मोल बरोबरि, मिथिला राज्य बनत जहिया।
आब नहिं त कहिया, आंदोलनक घूमि रहल अछि पहिया॥

शिशिर कुमार झा जिनक सम्पर्क नंबर अछि मो० न० – ९२६६०१३०६५ – ई रचना मिथिला चौक, कनॉट प्लेस, नई दिल्ली फेसबुक मार्फत साझा कएलनि अछि। ओ जानकारी दैत कहलनि अछि जे काइल दिनांक १५-०७-२०१६ के संघर्ष समिति केर बिहार निवास मे संवाददाता सम्मेलन मे कार्यकर्ताक उत्साह सँ ई कविता लिखबाक प्रेरणा भेटल। जय मिथिला-जय मैथिली।

मैथिली जिन्दाबाद केर तरफ सँ समस्त पाठकवृन्द एवम् मिथिला राज्य प्रेमी सँ उपरोक्त धरना मे सहभागिता दैत आन्दोलन केँ मजबूत बनेबाक अपील करैत संपादक प्रवीण नारायण चौधरी आन्दोलनी सब लेल शुभकामना संदेश प्रेषित कएलनि अछि।