मिथिलाक पुनर्स्थापनाक एजेंडा सर्वोपरिः कीर्ति आजाद

विशेष समाचार – सन्दर्भ मिथिलाक पुनर्स्थापना एवं विकास

सांसद कीर्ति आजाद केर अथक प्रयास 

kirti on lnmu as central universityदिसम्बर ९, २०१५ः सांसद कीर्ति आजाद फेसबुक स्टेटस मार्फतः

“ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय, दरभंगा केँ केंद्रीय विश्वविद्यालय केर दर्जा प्रदान करबाक लेल नियम 377 केर अधीन उल्लेख करबाक वास्ते लोकसभा महासचिव केँ लिखलहुँ अनुमति पत्र। जय मिथिला, जय मैथिली॥”

kirti with modi on darbhanga airportदिसम्बर १४, २०१५ः सांसद कीर्ति आजाद फेसबुक स्टेटस मार्फतः

आइ मिथिलाँचलक समस्त १५ सांसदक प्रतिनिधिमंडल केर संग मिलिकय माननीय प्रधानमंत्री श्री नरेन्द्र मोदी जी सँ भेंट करैत मिथिलाँचल मे कतेको वर्ष सँ लंबित पड़ल दरभंगा हवाईअड्डा सँ व्यवसायिक उड़ान केर परिचालन हेतु सम्बन्धित विभाग सब केँ निर्देश प्रदान करबाक अनुरोध कैल गेल। माननीय प्रधानमंत्री जी सब विन्दु पर जाँच करबैत उचित कार्रवाईक आश्वासन देलनि। जय मिथिला, जय मैथिली॥

dmu darbhangaदिसम्बर १४, २०१५ः सांसद कीर्ति आजाद फेसबुक स्टेटस मार्फतः

मिथिलाँचलक जनताक बहुप्रतिक्षित माँग ओ सुविधा सब ध्यान मे रखैते काल्हि १५/१२/२०१५ सँ दरभंगा जंक्शन सँ ६ जोड़ी डी०एम०यू० लोकल ट्रेनक परिचालन पूर्व मध्य रेलवे समस्तीपुर केर द्वारा प्रारंभ कैल जायत।

आइ माननीय केंद्रीय रेल मंत्री श्री सुरेश प्रभु जी सँ भेंटतथा महाप्रबंधक पूर्व मध्य रेलवे सँ फोन पर बात करैत उद्घाटन पूर्वहि परिचालन शुरू करबाक अनुरोध केलहुँ। जय मिथिला, जय मैथिली॥