आह आह रे चुनाव! वाह वाह रे चुनाव!!

किसलय कृष्ण, सहरसा । सितम्बर २८, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!

aiims saharsa3सहरसामे अन्तिम चरणमे विधानसभा चुनाव सम्पादित हेबाक अछि, मुदा चुनावी चौसर बिछि चुकल अछि । भोरे निकलि गेल छी अपन आवास सँ सटल ब्लॉक रोड स्थित चाहक दोकान पर…… चुनावी चर्चाक बजार गरम अछि, भफाइत चाह जकाँ रंग-विरंगक गप्प हवामे उड़िया रहल अछि …. केओ महागठबन्हनक गिरह खोलबामे व्यस्त छथि, त केओ भाजपाक भजनमे मस्त।

हाँ ….चाहक दोकनदार लल्लू भाइ आइ आन सालक इलेक्शन सँ इतर गुम्मे-गुम्म चाह बनेबा आ परोसबामे लागल छथि । हम एहि चुप्पीक राज पुछय चाहैत छिअनि आ एक कप चाहक मांग संग लल्लू सँ पुछिये दैत छिअनि । हुनकर जवाब सँ चौंकि गेलहुँ हम…. ओ कहला जे एहि बेर जे पार्टी हजार टका रोज देतइ सर, ओकरे परचार करबै । बलू जखन नेतबा आउर परचारमे एते खर्च करै हइ त’ हम्मे मंगनीमे कथी ल’ बकर-बकर करु ।

आब चली ७५ सहरसा विधान सभा क्षेत्रक चुनावी हलचल दिसि:

एहिठाम राजग सँ भाजपाक निवर्तमान विधायक डॅा आलोक रंजन झा अपन प्रचार अभियानमे लागि गेल छथि। टिकट कन्फर्म भेलासँ पूर्व विभिन्न राग-विराग छलनि हिनक दलमे उमेदवारीकेँ ल’ क’ । पूर्व विधायक संजीव कुमार झा सेहो प्रमुख दावेदार छलथि। मुदा बाजी आलोक रंजन झाक हाथमे रहलनि । उक्त निर्णयक विरोध सेहो भेल विभिन्न गाममे । आब सभ किछु शान्त अछि ।

महागठबंधन सँ राजद प्रत्याशी अरुण यादव मैदान-ए-जंगमे छथि। जे पछिला चुनावमे डॅा आलोक सँ पराजित भेल छलाह । पप्पू यादवक जन अधिकार पार्टीक आधिकारिक घोषणा नहि भेल अछि सम्प्रति उमेदवारीक सन्दर्भ मे । जँ गाम सँ शहर धरि जनमतक विश्लेषण कएल जाय, त एखन किछुकहब मोसकिल अछि…..। हाँ राजदक उमेदवारीकेँ कमजोर मानल जा रहल अछि । आब देखबाक चाही जे ८ नवम्बरक परिणाम की कहैत अछि । एखन त बस चुनावी माहौल…..आह आह रे चुनाव वाह ह वाह रे चुनाव ।