युवा सोचक सार्थक परिणति: लक्ष्मीनाथ पुस्तकालयक लोकार्पण आइ

बनगाँव मे भेल लक्ष्मीनाथ पुस्तकालय केर अनावरण

बनगाँव, सहरसा । किसलय कृष्ण । अगस्त १२, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!

bangaw pustakaalay1सहरसा जिलाक प्रसिद्ध गाम बनगाँवक युवा वर्गक अनवरत मेहनति आ कार्यशैली सँ आइ लक्ष्मीनाथ कुटी परिसर सँ सटल लक्ष्मीनाथ पुस्तकालयक लोकार्पण स्थानीय विधायक आलोक रंजन झा द्वारा होयत ।

bangaw pustakaalayएहि अवसर पर मैथिली सांस्कृतिक कार्यक्रम आ लक्ष्मीनाथ पुस्तकालय सेवा संस्थान द्वारा आयोजित प्रतियोगिता मे चयनित छात्रकेँ पुरस्कृत सेहो कएल जायत ।

तत्काल पूर्वनिर्मित सामुदायिक भवनमे संचालित ई पुस्तकालय हेतु नव भवन निर्माण लेल विधायक कोष सँ स्वीकृति भेटि गेल अछि, जकरा लेल भूमि पूजन आ शिलान्यास सेहो आइए कएल जायत ।

bangaw pustakaalay2पुस्तकालय संस्थापक अध्यक्ष मन्टुजी, सचिव राहुल बिल्टु, झा रुपेश, प्रसेनजित आदि आयोजन केँ ल क पूर्ण सक्रिय छथि ।

पुस्तकालय मे कम्प्यूटर सेन्टरक आरम्भ कंचन दीदीक सहयोग सँ भेल अछि ।