“मिथिलामे घटक केर महत्त्व”

289

— आभा झा।                               

मिथाला में_घटक_केर_महत्व
अपन मिथिला में घटक हुनका कहल जाइत अछि जे वर आ कन्या के विवाह ठीक करय लेल मध्यस्थता के काज करय छथिन। जेना किनको बेटा या बेटी विवाह करय जोगर छथिन तऽ हुनकर विवाहक प्रस्ताव लऽ जे कियो व्यक्ति जाय छथिन हुनका घटक कहल जाइत छनि।घटक सामान्यतः परिवारक कुटुम्ब यथा,मामा,पीसा,मौसा आदि रहैत छथि।ओना इलाका के अन्य प्रतिष्ठित लोक के सेहो ई काज सामाजिकता के तौर पर करय पड़ैत छनि।घटक के गामे -गाम घूमय पड़ैत छलनि।ताहि दुवारे हुनका किछ टाका सेहो लोक थम्हा दैत छलखिन।गाम में किनको परिवार में घटक अबैत छलखिन तखन गामक स्त्रीगण सभक कान ठाढ़ भऽ जाइत छलनि आर काना फूसी होब लगैत छल।पूरा गाम में ई खबर फैल जाइत छल कि फलना बाबू कतऽ घटक आयल छथिन। घटक के मुख्य काज कन्या आ वर पक्षक समस्त जानकारी एकत्रित केनाइ आ ओहि जानकारी के दुनू पक्षक समक्ष रखनाइ रहैत छलनि।कोनो नीक विवाहक कथा के नीक लड़का या लड़की के परिवार लग उपस्थित कऽ संबंध स्थापित करय में घटक केर मुख्य भूमिका होइत छनि।अगर हुनकर योगदान सँ कथा नीक भऽ गेल तऽ हुनकर वाहवाही होइत छलनि मुदा कथा में कोनो तरहक त्रुटि आबि गेल तऽ घटक के दस टा लोकक बातो सुनय पड़ैत छनि।अर्थात घटक के कोनो तरहे चैन नहिं
छलनि।घटक सबके उचित सत्कार होइत छनि।घटकैती तऽ लोक नीक भावना सँ करैत अछि।घटकैती के काज बहुत कठिन आ जिम्मेदारी वाला होइत छैक। अपन मिथिला में सबहक एक दोसर सँ कोनो ने कोनो संबंध निकलि जाइत छैक।घटकैती वर आ कन्या पक्षक लेल पुण्यक काज होइत छैक। कतेक ठाम घटकैती के कारण विवाहक नीक कथा नहिं होइत छल।एहि घटक केर चक्कर में कतेको वर आ कन्या पक्ष ठकाइतो छथि।अपने संबंधिक अपन लोक के डाका दऽ दैत छलखिन। आब तऽ घटकैती के काज इन्टरनेट के माध्यम सँ होइत छैक।
जय मिथिला जय जानकी 🙏🙏
आभा झा (गाजियाबाद)