भाषा -संस्कृति अभियानी ई.झाके भेटतनि “मिथिला रत्न”सम्मान

261

काठमांडु।। समाजसेवी ईन्जिनियर भगवान झा ‘मिथिला रत्न’ पदकसँ सम्मानित होमय जाऽरहल छथि ।
अन्तर्राष्ट्रिय मैथिली–सम्मेलन, मैथिली अधिकार दिवसक अवसरिमें अहि २२–२३ डिसेम्बर तक आयोजना होमय जाऽ रहल द्वी दीवसीय अन्तर्राष्ट्रिय मैथिल सम्मेलनक अवसरिमे मिथिला संस्कृतिक संरक्षण आ प्रर्वद्धनमे महत्वपूर्ण योगदान पहुँचेने कहैत समाजसेवी ईन्जिनियर भगवान झाकेँ ‘मिथिला रत्न’ पदकसँ सम्मानित कएल जाऽ रहल अछि।

विगत बहुतो सालसँ निस्वार्थ मनसँ मिथिला संस्कृतिकेर संरक्षण एवम् प्रवद्र्धनक लेल काज कएला पश्चात अन्तर्राष्ट्रिय मैथिली–सम्मेलन सम्मान कऽर जाऽरहल झा बतौलथि । ओ, ‘अहि प्रकारक अन्तर्राष्ट्रिय सम्मान भेटनाई नेपाल आ नेपालीके लेल सेहो खुशीके बात भेल कहलथि । अहि सम्मानसँ भविष्यमे सेहो और सक्रियताक संग मिथिला संस्कृतिके रक्षाक लेल काज कर हौसला भेटल कहि विश्वास कयने छलथि ।’

निःस्वार्थ भावसँ काज कएलाबाद कतौ न कतौ सँ ओहि काजक उचित मुल्यांकन कएल जाएत अछि आ सम्मेलनद्धारा कएल गेल सम्मानसँ अहि बातक पुष्टि भेल झा बतौलनि । झा मैथिल ब्रम्हाण महासभा, नेपालक अध्यक्ष सेहो थिक ।

झाके उक्त पदकसँ सम्मान करबाक मौका भेटनाई आयोजक समितिके लेल सेहो गोरवक अनुभव भेल अन्तर्राष्ट्रिय मैथिली–सम्मेलन, दिल्ली÷काठमाडौंकेर अध्यक्ष डाॅ. महेन्द्र नारायण राम आ महासचिव डाॅ. बैद्यनाथ चौधरी ‘बैजू’ द्धारा जारी कएल गेल विज्ञप्तीमे जनाओ ल गेल अछि ।