ऐतिहासिक नगरी विराटनगर मे काली पूजा मनेबाक इतिहास बनेलक अप्पन ब्राह्मण समाज

८ नवम्बर २०२१ । मैथिली जिन्दाबाद!!

विराटनगर मे काली पूजा
 
अप्पन ब्राह्मण समाज – नामहि सँ सब केँ अपनाबयवला, सब मे अपनत्व केर सुन्दर भाव प्रदान करयवला एक नवस्थापित संस्था द्वारा ऐतिहासिक-औद्योगिक महानगरी विराटनगर केर एक कमी केँ पूर्ति करयवला ऐतिहासिक संस्था बनि गेल अछि। एहि महानगर मे ओना त नित्य कोनो न कोनो अनुष्ठान् होइते रहैत अछि, लेकिन मिथिला आ बंगाल मे विद्यमान् एक परम्परा ‘काली पूजा’ एहिठाम कियो नहि आयोजित करैत छल से ई संस्था अप्पन ब्राह्मण समाज अपन स्थापनाक सोझे साल सँ आरम्भ कयलक आ एहि बेर तेसर वर्ष अत्यन्त भव्यताक संग सम्पन्न कयलक अछि। एकर संयोजक प्रा. वीरेन्द्र झा वीरू एवं संस्थाध्यक्ष कुमुद मोहन झा, संस्थापक अध्यक्ष लक्ष्मी रमण झा, सचिवद्वय सुजीत चौधरी एवं सुरेन्द्र सिंह ठाकुर, अन्यान्य पदाधिकारी व सक्रिय सदस्य लोकनि रंजीत झा (राजनीतिकर्मी), मिथिलेश ठाकुर, सुनील झा, दीप नारायण झा दीपू, अमर झा, मृत्युञ्जय मिश्र, सबिन मिश्र, रतिकान्त झा, भाग्यश्री झा, रंजू झा आदिक एकजुट प्रयास आ अथक परिश्रम सँ ई महापूजाक आयोजन शालीनता, गम्भीरता आ भव्यता संग पूरा कयल गेल।
 
गत वर्ष हम कथित तौरपर कोरोनाक चपेट मे रही, बन्धन मे रही, भाग नहि लय सकल छलहुँ – से पैछले साल सँ सोचल अनुसार एहि वर्ष एहि आयोजनक सब पार्ट मे पार्टिसिपेट कयलहुँ। बहुत नीक लागल। मूर्ति आनय बेर मे सैनिक टोल सँ रोडशेष चौक पूजास्थल धरिक शोभायात्रा, राति १२ बजे सँ आरम्भ होयवला निशापूजा, पुनः १० बजे दिन सँ पूजा (ई हमर छुटि गेल), ४ बजे सँ सांस्कृतिक कार्यक्रम आ ऐगला दिन भोरे १० बजे सँ विसर्जन बेर मे नगर परिक्रमा आ केसलिया धार मे जाय विसर्जन करय धरि सहभागिता दैत परमानन्द-परममोद प्राप्ति कयलहुँ। सांस्कृतिक कार्यक्रम मे दू टा भजन सेहो गेबाक अवसर भेटल, लोक सब केँ नीक लागल हेतनि से उम्मीद अछि। राजू ठाकुर केर संयोजन मे आयल सांस्कृतिक कार्यक्रमक टोली – खासकय निशा पोद्दार गायिकाक आवाज आ छोट-छोट भाइ सब द्वारा मैथिली गीत (भजन) केर गायन, सागर ठाकुर भाइजीक चिर परिचित अन्दाजक गायन, राजेश सिंह जीक बेजोड़ किपैड बजेनाय, स्वयं राजूक ड्रम पैड आ पंकजक नया वादन-यंत्र पर पंजाबी भांगड़ा वला बिट्स नोट्स आ एक नवका अनुजक ओतबा बेजोड़ नालवादन…. ग्रेट, विराटनगर मे एतेक सुन्दर मैथिली सांस्कृतिक (भक्तिगीत-संगीत लेल विशेषरूप सँ) टोली बनब बड़ा शुभकारी लागल।
 
एतेक भव्य कार्यक्रम सँ पर्यन्त किछु सज्जन आ भद्र लोक सब केँ दूरी बनबैत देखि बड़ा क्षोभ सेहो भेल। अरे! ई कि थिकैक? एतेक पैघ महोत्सव सँ अहाँ दूर कियैक रहलहुँ? एहि सँ अहाँ दोसर केँ किछु शिक्षा देबाक जँ सोच बनेने छी वा छलहुँ त अहाँ महाभूल कयलहुँ। भगवतीक काज जे कियो कय रहल छथि हुनका धन्यवाद देला सँ अहाँक महानता नहि कम होयत। ई त बुझल बात छैक जे अहाँ केँ हिनका लोकनिक एकजुटता आ सद्प्रयास सँ अपन आन-बान-शान पर बट्टा लगैत बुझायत, लेकिन तेकर मतलब महापूजा सँ दूर भऽ अपनहि भेटयवला ऊर्जा सँ वंचित रहि गेलहुँ… किंवा दूरी बनबैत परमानन्द-परममोद नहि प्राप्त कयलहुँ से उचित बात नहि। कृपया आगू साल सँ हरेक पार्ट मे पार्टिसिपेट करबाक प्रण एखनहि लय लेब। पता अछि? एहि वर्ष सँ बंगाली समाज द्वारा दुर्गा चौक तीनपैनी मे सेहो काली पूजा आरम्भ भऽ गेलैक। आर अपनहि समांग सब एकटा नव इतिहास बनौलाह त एहि मे सब कियो स्वामित्व लैत सहभागी बनिकय एकरा आरो उच्चस्तर पर भव्यता प्रदान करू। शोभा यात्रा, नगर परिक्रमा, सांस्कृतिक आयोजन, सब मे भाग लियौक। तखन अहाँक अपन ऊर्जा संग-संग समुदायक शक्ति सेहो अभिवृद्धि होयत। आग्रह।
 
भगवतीक कृपा सब पर बनल रहय। काली पूजा लेल सुनिश्चित स्थल केर मांग भेल आ नवनियुक्त मंत्री माननीय जयराम यादव अपन निजी जमीन दान करबाक प्रतिबद्धता व्यक्त कयलथि। तहिना मेयर भीम पराजुली जी सेहो सार्वजनिक जमीन अथवा निजी जमीन तकबाक बात कहैत नगरपालिका द्वारा भवन निर्माण आ पूजा स्थलक विकास लेल वचनबद्धता व्यक्त कयलथि। ई असाधारण उपलब्धि एहि लेल भेटल जे एकटा बेहतरीन उपक्रम ‘काली पूजा’ विराटनगर लेल अपने आप मे नीक उपलब्धि थिकैक आ एकरा हर स्तर पर पोषण देबाक लेल लोक तत्पर छैक। अप्पन ब्राह्मण समाज केर नीति जे केवल एकल जाति केर संस्था रहितो सब सँ जुड़बाक आ सब मे अपनत्वक भाव उत्पन्न करैत समग्र समाजक विकास लेल अडिग रहैत काज करब, ई सब केँ भरोसा देलकैक, नव आशा देलकैक। महत्वपूर्ण संबोधन मे एहि तरहें ब्राह्मण समाज प्रति नीक भावनाक सन्देश सब कियो देलथि। एकरा आर मजबूत करबाक जरूरत छैक। नहि कि प्रवीण अपन अहंता मे स्वयं केँ आहत कय दूर रहि एहि एकजुटताक भावना केँ भंग करय… प्रवीण केँ एहि लेल कोनो अधिकार नहि! बात बुझू!
 
हमरा त लागि रहल अछि जे फेरो जल्दी ई अवसर आबि जाय! भेटब पुनः! ॐ तत्सत्!!
 
हरिः हरः!!