“मैथिलानी व्यक्तित्व विशेष”

655

रेखा झा।               
#मिथिलानी व्यक्तित्व विशेष
अंजना झा
वर्तमान पता -फरीदाबाद (हरियाणा)
नैहर -हाबीभौआर
सासुर-पतोर
अंजना झा मिथिलाक ओ मिथिलानी छथि जे हमरा सबके हिनक व्यक्तित्व पर हर क्षण गर्वक अनुभूति रहल
हिनकर स्कूली शिक्षा बेगूसराय के ओमर बालिका उच्च विद्यालय स, ग्रेजुएशन एम डी डी एम मुजफ्फरपुर स, मास्टर मनोविज्ञान मे टापर मिथिला युनिवर्सिटी स संपन्न भेल,
अंजना झा के पति भूतपूर्व बी एस एफ के उच्च पदाधिकारी छलैथ आ संप्रति एक कंपनी के उच्च पदाधिकारी छथि, दू टा होनहार संतान के माता अंजना आर्मी स्कूल के भूतपूर्व शिक्षिका के संगहि कवियित्री, लघु कथा रचनाकार, सलाहकार, आ कुशल वक्ता के रूप मे चर्चित व्यक्तित्व रूप मे दिल्ली सनक जगह मे जानल पहचानल चेहरा छथि,
अंजना झा के रचना समसामयिक विषय पर अंतर्मन के झकझोरैत रहैत अछि,
अंजना झा के रचना के स्टार सवेरा, स्पेस प्रहरी,युवा प्रवर्तक निरंतर स्थान दैत रहैत छथि,
एक फौजी पत्नी के मनोदशा आ मां पिता के मनोदशा पर लिखल “पालनहार” त ह्रदय तक उतरि जाईत अछि
स्त्री के विविध रूप के चित्रण हिनक रचना मे देखल जाइत रहल,
मिथिला टीवी के लगभग हर डिबेट मे हिनक वक्तव्य गागर मे सागर के समान रहैत अछि चाहे ओ मिथिला विकास बोर्ड के बात रहै चाहे मैथिल परिचर्चा मे राजनीति चाहे न्यू एजुकेशन पालिसी
सबमे हिनक वक्तव्य एक मजबूती के साथ रहैत नीक दिशा प्रदान करैत रहल
हिनक रचना हिन्दी मे रहैत अछि आ हिन्दी रक्षक मंच मे स्थान बनौने अछि
अंजना झा मिथिला के ओ नारी शक्ति छथि जिनका पर हमरा सबके गर्व रहल चाहे ओ भाषा होई या मिथिलाक संस्कार 🌹
अंजना झा हमर स्कूल कालेज युनिवर्सिटी के सखी छथि आ सदैव हिनका हम ह्रदय स सराहै छी 🥰