‘दहेज मुक्त मिथिला’ पर होयत “अंग्रेजी झाड़बाक कम्पीटिशन”

२८ जून २०२१ – मैथिली जिन्दाबाद!!

*के कतेक सुन्दर, शुद्ध आ फर्राटेदार अंग्रेजी बजैत अछि एकर प्रतिस्पर्धा होयत

*समय-समय पर एहि समूह पर होइत रहल अछि एहि तरहक प्रतियोगिता

*एहि तरहक प्रतियोगिता व्यंग्यात्मक शैली मे लेकिन नीक सन्देशक संचरण लेल कयल जाइछ, तेँ नाम राखल जाइछ ‘झाड़नाय’ सँ जोड़िकय

*एहि सँ पहिने ‘हिन्दी झाड़बाक’ प्रतियोगिता कयल जा चुकल अछि, दर्जनों वक्ता भाग लेने रहथि आ गम्भीर विषय पर विमर्श हिन्दी भाषा मे भेल छल

 
आइ २८ जून २०२१ केँ दहेज मुक्त मिथिला फेसबुक समूह द्वारा आगामी दिन मे अंग्रेजी झाड़बाक कम्पीटिशन करबाक निर्णय लेल गेल अछि। विदित हो जे एहि समूह पर महिला, पुरुष आ युवा-युवती गम्भीर विमर्श लेल जानल जाइत छथि। मिथिला केँ मांगरूपी दहेज सँ मुक्त करबाक एकटा अभियान केर फेसबुक समूह पर लगभग ७० हजार सदस्य छथि, लेकिन समूहक गतिविधि मे बहुत कम लोक सक्रियता सँ सहभागिता जनबैत छथि। समूहक संस्थापक एवं एडमिन प्रवीण नारायण चौधरी बतेलनि जे समूह संचालनक पद्धति मे एहि तरहक नव-नव प्रयोग सँ अधिकांश समय स्वयं केँ ‘चुप्पा बम’ (निष्क्रिय) बनेनिहार सदस्य लोकनि केँ सेहो अपना स्तर सँ सहभागिता देबाक प्रेरणा भेटैत छन्हि। हिन्दी झाड़बाक आ अंग्रेजी झाड़बाक कार्यक्रम मैथिलीभाषी समुदाय लेल ओहुना बड जरूरी होइत छैक, कारण बहुतो लोक मे एकटा अजीब भ्रम आ सन्देह दिमाग मे बैसि गेल छैक जे अपन भाषा बजला सँ लोक पढल-लिखल आ एडवान्स नहि बुझत, अर्थात् अपने आ अपन बालो-बच्चा संग अपन मातृभाषाक व्यवहार छोड़ि हिन्दी-अंग्रेजी आ नेपाल मे नेपाली भाषा, बंगाल मे बंगाली भाषा, महाराष्ट्र मे मराठी भाषा आदि बाजिकय अपन बुधियारी आ पढल-लिखल बड पैघ जानकार हेबाक होशियारी देखेबाक आदति मैथिलजन मे बड़ी जोर सँ पसैर रहल छन्हि। आर चूँकि दहेज मुक्त मिथिला पर नेपाल, भारत, आ विश्वक अनेकों भूभाग मे बसल मैथिलजन सब सक्रिय छथि, सामान्यतया एतय अपनहि टा भाषा मे सब बात-व्यवहार करबाक बाध्यता होइत छन्हि, तेँ समय-समय पर भड़ास निकालबाक लेल हिन्दी, अंग्रेजी, नेपाली, मराठी, गुजराती, फ्रेन्च, जापानीज, चाइनीज, आदि भाषा मे झाड़बाक प्रतियोगिता के आयोजन कयल जाइत छैक।
 
जनतब भेटय जे ई आयोजन वेबिनार प्रारूप मे आगामी शनि दिन रातिक ९ बजे भोजन-भात सम्पन्न कयला उपरान्त राति के ११ बजे धरि होयत। खूब खा-पीकय अंग्रेजी झाड़य मे सुविधा होइन्ह ताहि लेल रातिये केँ ई आयोजन राखल गेल अछि श्री चौधरी बतेलनि। एहि बेर जे विषय पर चर्चा होयत तेकर जानकारी दैत ओ अंग्रेजी मे बतेलाह जे Very glad to see higher numbers of people interested to join this competition of showing off spoken English on this group. Welcome all. I think the subject should be Compulsion of English Language for Today’s Youths and Easy Way of Learning English. How will it be? अर्थात् जे बहुत लोक भाग लेबाक लेल आगू एला अछि। आजुक युवा पीढी लेल अंग्रेजी भाषा प्रयोगक बाध्यता आ अंग्रेजी सिखबाक सहज बाट विषय पर चर्चा होयत।