बिपीएससी टौपर भाष्कर ज्योति केर सन्देशः लोक सेवा आयोग परीक्षा मे मैथिली मे केना बेहतरीन प्रदर्शन कय सकब

बिपीएससी आ यूपीएससी परीक्षा के तैयारी करय लेल मैथिली भाषा-साहित्य केँ वैकल्पिक विषय चयन करनिहार अभ्यर्थी लेल उपयोगी सामग्री संकलन करबाक क्रम मे आइ अपने सभक समक्ष एकटा वीडियो लिंक साझा कय रहल छी। एहि वीडियो मे बिपीएससी टौपर भाष्कर ज्योति द्वारा वीडियो सन्देश मार्फत बहुत रास उपयोगी जानकारी देल गेल अछि।

वैकल्पिक विषय के रूप मे मैथिली भाषा व साहित्य केर चयन करबाक चाही कि नहि?

कि सिर्फ मैथिलीभाषी क्षेत्रक लोक मात्र मैथिली विषय चयन कय सकैत छथि?

नीक अंक प्राप्त करबाक लेल कि सब उपाय अपनेबाक चाही?

मैथिली सिलेबस अनुसार पुस्तक आ नोट्स आदि केना प्राप्त कय सकब?

भाषा और साहित्यक छात्र सँ कि सब अपेक्षा कयल जाइछ लोक सेवा आयोग परीक्षा मे?

कोचिंग संस्थान केर नोट्स आ अपन प्रतिभा आधारित लेखन क्षमताक प्रभाव आदि पर पूर्ण विवरणात्मक एवं समीक्षात्मक टिप्पणी हिन्दी भाषा मे उपलब्ध करायल गेल अछि। दिल्ली नाउलेज ट्रैक केर यूट्यूब लिंक पर भाष्कर ज्योति द्वारा बहुत स्पष्ट ढंग सँ कतेको तरहक उपयोगी जानकारी आ सुझाव सेहो देल गेल अछि। उदाहरणक संग मैथिली मे पूछल जायवला प्रश्न आ ओकर उत्तर कोन ढंग सँ लिखबाक चाही, ताहि पर विश्लेष्णात्मक टिप्पणी अहाँ नव अभ्यर्थी लेल काफी सहयोगी भूमिका निभायत से विश्वास अछि।

मैथिली जिन्दाबाद!!

हरिः हरः!!