सप्तरीक राजगढ बेल्हीचपेना मे विष्णु महायज्ञ चैत २ गते सँ

सप्तरी मे विष्णु महायज्ञ केर आयोजन आरम्भ

साभार – शुभचन्द्र झा, राजविराज

१४ मार्च २०२१ – मैथिली जिन्दाबाद!!

सप्तरी जिलाक राजगढ ४ बेल्हीचपेनामे इएह २०७७ साल चैत महिना २ गतेसं हाेएबला विष्णु महायज्ञक तैयारी अन्तिम चरणमे पहुँचि गेल अछि। एहि यज्ञ लेल कलश यात्रा, शाेभा यात्रा बिभिन्न बाजा गाजा सहित साेमदिन शुभारम्भ हुअ जा रहल अछि । जनकपुरक पगला बाबाक प्रत्यक्ष निगरानीमे भ रहल यज्ञमे नेपाल भारत दुनु देशक तीर्थयात्री लोकनि, हिन्दू धर्मावलम्बी सहभागी हाेयबाक बात मूल आयाेजक समिति संयाेजक गजेन्द्र मंडल जानकारी देलनि। यज्ञस्थल संग ओतय अवस्थित राजानकी मन्दिर तथा शनिदेव मन्दिर मे दर्शन करए आयल सबके विश्राम वास्ते सुविधासम्पन्न धर्मशाला निर्माण कएल जाएत सेहो जानकारी संयोजक गजेन्द्र मंडल देलनि । यज्ञमे आएल लोक मेलाक आनन्द सेहाे उठाबय ताहिक लेल झुलासब, रामलीला सब सेहाे रहत । यज्ञ मणडपसब तैयार भ गेल छै । सम्पूर्ण जिलावासी नगरवासीसं यज्ञमे सहभागी भ धर्मक भागी बनबाक आग्रह मुल समिति कएने अछि । तैयारीक क्रममे बहुताे नेता मन्त्रीसब अहिठाम आयल छलाह । सफलताक कामना । ॐ श्रीहरि, ॐ नमःभगवते वासु देवाय!!