वाचस्पति स्मृति दिवस तय समय पर मनेबाक निर्णय

ठाढ़ी, मधुबनी। 8 मार्च 2021 ।

2016 ई. सँ निरन्तर 16 मार्च केर दिन वाचस्पति उद्यान, ठाढ़ी में मनायल जाइत रहल अछि। पहिने ई आयोजन गामहि में गठित भामती वाचस्पति प्रतिमा स्थापना समिति द्वारा आरम्भ कयल गेल। बाद में एहि आयोजन केँ बिहार सरकार द्वारा स्थानीय समिति संग सहकार्य करैत राज्य प्रायोजित आयोजन के रूप में मनेबाक निर्णय करैत 2019 केर आयोजन सेहो कयल गेल। परन्तु पिछला 2020 में कोरोना के संक्रमण सँ बचाव लेल आयोजन पर रोक लागि गेलैक जे अहु वर्ष अनिश्चितता में फँसल अछि। परन्तु स्थानीय कार्यसमिति केँ एकर निरन्तरता हरेक परिस्थिति में राखब अपरिहार्य बुझि एहि वर्ष पुनः निर्धारित समय 16 मार्च केँ आयोजन कयल जायत। एहि सम्बंध में संयोजक रत्नेश्वर झा जनतब दैत कहलनि अछि जे –

कोरोना संक्रमण कालक कारण सरकारी स्तर पर ठाढी मे वाचस्पति महोत्सव नहिं मनाओल जायत। भामती वाचस्पति स्मारक निर्माणक समिति निर्णय लेलक जे समिति स्तर
पर संछिप्त मे कोरोनाभायरस सं बचाबक हेतु बनाओल गेल नियमक पालन करैत परंपरागत निर्धारित तिथि आगामी 16 मार्च 2021क’ वाचस्पति उद्यान ठाढी में “वाचस्पति स्मृति पर्व”
मनाओल जायत।

उद्घाटनोपरांत आस्तिक दर्शन पर एकटा सत्र होयत जाहिमे वाचस्पति ग्रन्थ सहित, मण्डन, कुमारिल भट्ट, उदयनाचार्य , गंगेश उपाध्याय आदि विद्वानक भारतीय दर्शन मे योगदान पर चर्चा होयत।

दोसर सत्र साहित्य पर एक टा सत्रक आयोजन काएल जायत।
कवि सम्मेलन मे मैथिलीक सभ वरिष्ठ कवि रहताह।

संध्या काल संगीत एवं नृत्यक आयोजन काएल गेल अछि ।
एकर अतिरिक्त भामती नामक स्मारिकाक लोकार्पण सेहो काएल जायत।

ई निर्णय निम्न उपस्थिति कार्यकारिणी के सदस्य द्वारा लेल गेल:
अध्यक्ष : रतनेश्वर झा
उपाध्यक्ष : क्षमाधर झा
सचिव : प्रो काशी नाथ झा
उपसचिव : नरेंद्र झा
कोषाध्यक्ष : गणेश झा
सम्मानित सदस्य एवं गणमान्य :
ई मिथिलेश्वर झा
बिनोद कुमार झा
सत्यनारायण झा
मिथिलेश झा
मिहिर कुमार झा
सूर्य कान्त झा
हीरा कान्त मिश्र
विद्या नन्द झा
आनंद नारायण झा
शंकर झा