नेपाल आ भारत केर मैथिली लेखक-साहित्यकार बीच समन्वयक प्रयास

21 जनवरी 2021, मैथिली जिन्दाबाद!!

मैथिली साहित्यकार सभा जनकपुर द्वारा नेपाल व भारत केर मैथिली लेखक-साहित्यकार बीच अंतरसंबंध केँ सबलता देबाक संग भाषा, साहित्य आ संस्थाक विकास में सहयोग प्राप्ति लेल भारत दिश सँ साहित्यकार डॉ धनाकर ठाकुर, डॉ शेफालिका वर्मा, डॉ जयनारायण यादव, डॉ रमानन्द झा रमण, डॉ महेन्द्र नारायण राम, मैथिल सदरे गौहर तथा चन्द्रेश केँ संस्थागत मानार्थ सदस्यता प्रदान कयल जेबाक जनतब सभापाल प्रेम विदेह ललन देलनि। उपरोक्त संस्थाक विधान अनुसार ई निर्णय कार्यसमिति के बैसार में कयल जेबाक बात सेहो कहलथि। संगहि एहि संस्था द्वारा मैथिली भाषा, साहित्यक संग लेखक साहित्यकार केर हक-हित लेल कार्य करैत रहबाक कारण नेपालक सब मैथिली लेखक-साहित्यकार केँ संस्थाक सदस्यता ग्रहण वास्ते अपील करबाक निर्णय लेल जेबाक जनतब सेहो ओ देलनि।