जय मिथिला आर्ट के जिल्ला अधिकारी द्वारा भेल शुभारंभ।

1551

||दरभंगा||

जिल्ला औद्योगिक नव परिवर्तन योजना के तहत मिथिला पेंटिंग पर आधारित सूक्ष्म एवं लघु उद्योग जय मिथिला आर्ट के शुक्र क सदर प्रखंड के वासुदेवपुर में जिलाधिकारी डॉ त्यागराजन एसएम द्वारा शुभारंभ भ गेल अछि। डीएम कार्य स्थल में जा क उद्योग केंद्र के निरीक्षण कैर संचालित अत्याधुनिक सिलाई मशीन एवं ओहि पर कएल गेल कार्य सब के देखला। जिल्ला औद्योगिक नव परिवर्तन योजना के तहत जय मिथिला आर्ट समूह के १० लाख रुपिया के सरकारी सहायता सेहो देल जायत। अहि समूह के एखन धरि पांच लाख रुपिया उपलब्ध करेल जा चुकल अछि। अहि योजना के अंतर्गत जिल्ला में मखान, मिथिला पेंटिंग, फेवर ब्लॉक एवं रेडीमेड गारमेंट्स के लेल १०-१० प्रवासी मजदूर के समूह एलएलपी ( लोमिटेड लायबिलिटी पार्टनरशिप) के आधार पर बनेल गेल अछि। अहि में स एक समूह मिथिला मखान, बहादुरपुर प्रखंड के मेखना वेदा पंचायत के कक्षाही ग्राम में महेश मुखिया के नेतृत्व में संचालित कएल गेल अछि। जे मखानक तरह तरह के व्यंजन के बनेबाक कार्य कैर रहल अछि। दोसर समूह शहरी क्षेत्र के पुअर होम चौक पर राजेश कुमार चौधरी के नेतृत्व में मिथिला संचार आर्ट्स एंड क्राफ्ट्स, दरभंगा( सृजन मिथिला, मिथिला पेंटिंग वला मास्क बनेबाक कार्य कैर रहल अछि। तेसर समूह हार्ड मेक फेवर ब्लॉक, मनीगाछी प्रखंड के कायस्थ कवई गांव में विदेश्वर राम केर नेतृत्व में कार्य क रहल अछि। ओनाही चारिम समूह रेडीमेड गर्मनेट्स, सदर प्रखंड के सुंदरपुर बेला में अमित कुमार झा केर नेतृत्व में कार्य क रहल अछि। उल्लेखनीय अछि जे डीएम जिल्ला के उद्यमी सब के प्रोत्साहित करैत बाहर स आयल कुशल मजदूर के संग मिल क वृहद उद्योग के स्थापना करबाक अपील केने छैथ। अहि लेल आवश्यकता पडला पर नव उद्यमी के बियाडा के जमीन एवं अन्य योजना सब स ऋण उपलब्ध करेल जायत, ताकि स्थानीय स्तर पर सेहो पैघ मात्रा में रोजगार उपलब्ध होय उक्त अवसर पर जय मिथिला कला समूह के नेता अमित कुमार झा, निर्देशक जिल्ला ग्रामीण विकास एजेंसी अभिषेक रंजन, महाप्रबंधक जिल्ला उद्योग केंद्र मो. अंजारुल हसन सेहो उपस्थित छल।