नेपालक जनगणना आ ८० प्रश्न – भाषा सम्बन्धी ३ प्रश्न

नेपाल मे जनगणना प्रश्नावली (२०७८) केर प्रकाशन – पूछल जायत ८० प्रश्न

केन्द्रीय तथ्यांक विभाग द्वारा किछु समय पूर्वहि १२म जनगणना आ संघीय लोकतांत्रिक गणतंत्रक नेपालक पहिल जनगणना मे केन्द्र, प्रदेश आ स्थानीय तह केर प्रत्येक वार्डक हरेक व्यक्ति ओ परिवार सँ संकलन कयल जायवला विवरण लेल कुल ८० प्रश्नक प्रश्नावली ‘राजपत्र’ मे प्रकाशित कय देल गेल अछि। सुपरिवेक्षक द्वारा ‘घर तथा घरपरिवार सूचीकरण’ प्रश्‍नावली संग प्रत्येक घर-परिवार सँ विवरण लेल जायत। सम्पूर्ण घरक प्रयोग सहित संख्या, घरक तल्ला, परिवारक बैंक खाता आर ऋण केर अवस्था, सरकारी अनुदान मे बनल घरक विवरण, व्यवसायिक तथा प्राविधिक शिक्षा आ तालिम, परिवार मे अक्सर बसोवास कयनिहार परिवारक सदस्य (महिला, पुरुष र अन्य लिंगक) संख्या व परिवारक कृषि सम्बन्धी जानकारी (विवरण) संकलन कयल जायत।
 
एकर अलावे गणक (जनगणना कयनिहार व्यक्ति) द्वारा प्रत्येक घर-परिवार मे पहुँचिकय ‘मुख्य प्रश्‍नावली’ पूछल जायत जाहि मे पारिवारिक विवरण आ व्यक्तिगत विवरण संकलन होयत। पारिवारिक विवरण मे घरक स्वामित्व, घरक संरचना, पेय जल, शौचालय, बिजलीक स्रोत, खाना बनेबाक इन्धन सेहो पूछल जायत। तहिना, मृत्यु सम्बन्धी, परिवार मे अनुपस्थित विदेश गेल सदस्य, महिलाक नाम मे घर-जगह स्वामित्व विवरण आ छोट घरेलु व्यवसाय तथा अन्य घरहिक साधन व सुविधाक विवरण सब संकलन कयल जायत। व्यक्तिगत विवरण अन्तर्गत घर-परिवारक सदस्य तथा व्यक्तिक लिंग, उम्र, जाति, भाषा (पुर्खाक भाषा, मातृभाषा आर दोसर भाषा), धर्म, वैवाहिक स्थिति, बालबालिका, अपांगता, बसाईसराई, शिक्षा, महिलाक प्रजनन, आर्थिक क्रियाकलाप आदिक विवरण संकलन कयल जायत।
 
१५ सँ ४९ वर्षक विवाहित महिला सँ ‘एखन धरि जन्म देल जीवित या मृत कतेक बच्चाक जन्म देलहुँ’ ईहो सब पूछल जायत। तहिना १८ वर्ष सँ कम उम्रक बाल-बालिकाक आश्रित अवस्था पूछल जायत। प्रश्नावली मे १३ किसिम केर विकलांगता समेटल गेल अछि। आर्थिक आम्दानीक काज, काजक किस्म समेटल गेल अछि। तथ्यांक ऐन, २०१५ तथा जनगणना सञ्चालन तथा व्यवस्थापन आदेश, २०७६ मे जनगणना मे पूछल जायवला प्रश्न सभक सूची गजेट मे प्रकाशन करबाक प्रावधान छैक। मन्त्रिपरिषद द्वारा गत सावन २६ गते उक्त प्रश्नावली स्वीकृत कयल गेल छल। ‘नेपाल सरकार द्वारा राष्ट्रिय जनगणना सञ्चालन तथा व्यवस्थापन आदेश, २०७६ केर दफा ४ केर उपदफा (४) मुताबिक राष्ट्रिय जनगणना २०७८ केर प्रयोजनक लेल निम्नलिखित प्रश्नावली स्वीकृत कयल जेबाक ई सूचना प्रकाशन कयल गेल अछि,’ प्रकाशित नेपाल राजपत्र मे उल्लेख अछि।
 
विभाग द्वारा जारी कार्यतालिका अनुसार आगामी वैशाख २६ गते सँ जेठ १४ गते भीतर घर तथा घरपरिवार सूचीकरण कार्य होयत। तहिना जेठ २५ गते सँ आषाढ़ ८ गते भीतर मुख्य प्रश्नावली जनगणना सम्पन्न होयत। आषाढ़ ८ गते ‘जनगणना दिवस’ मनायल जायत। विभाग द्वारा मस्यौदा प्रश्नावली निर्माण लेल विज्ञ, संघ, प्रदेश आ स्थानीय तह सँ सुझाव संकलन कयल गेल अछि, तहिना राष्ट्रिय महिला आयोग, राष्ट्रिय दलित आयोग, राष्ट्रिय समावेशी आयोग, मुस्लिम आयोग, आदिवासी जनजाति आयोग, मधेशी आयोग, थारु आयोग आर भाषा आयोग सँ सेहो विमर्श कयल जेबाक जानकारी देल गेल अछि। विभाग द्वारा गत आषाढ़ मे नमुना (पाइलट) जनगणना सम्पन्न करैत किछु प्रश्नावली मे सुधार तथा परिमार्जन कयल जेबाक जानकारी सेहो गेल गेल अछि।