मैथिली केर इतिहास में नव आयाम जुड़ल: नेपाल संचारमंत्री गुरुङ

29 दिसम्बर 2020 । मैथिली जिन्दाबाद!!

मैथिली केर इतिहास में नव आयाम जुड़ल: नेपाल संचारमंत्री गुरुङ

नेपालदेशक प्राचीन आ समृद्ध भाषा मैथिली लेल एक आर महत्वपूर्ण कार्य पूरा भेल अछि। “नेपालीय मैथिली छापा पत्रकारिताको इतिहास” (लेखक- धर्मेन्द्र झा) आ पत्रकार आचारसंहिता क मैथिली अनुवाद (धर्मेन्द्र झा) क आइ सार्वजनिकीकरण कएल गेल । प्रेस काउन्सिल नेपाल द्वारा प्रकाशित एहि दूनु पुस्तकक सार्वजनिकीकरण सञ्चार तथा सूचना प्रविधि मन्त्री पार्वत गुरुङ केलनि । उएह कार्यक्रममे काउन्सिलक अन्य प्रकाशन पत्रकार आचारसंहिताक नेपाल भाषा अनुवाद अा शैली पुस्तिकाक सेहो सार्वजनिकीकरण कएल गेल छलए । मंत्री गुरुङ द्वारा सार्वजनिक कयल एहि पोथी केर सम्बन्ध में मैथिली केर इतिहास में एकटा आरो नव आयाम जुड़बाक बात कहैत भविष्य के सन्तति लेल बहुउपयोगी सिद्ध होयबाक बात सेहो कहल गेल। नेपालदेशक छापा संचारक्षेत्र में मैथिली केर कि इतिहास रहल अछि ताहि पर शोधमूलक आलेख सभक आधार पर ई पुस्तक लिखल जेबाक जनतब स्वयं लेखक धर्मेन्द्र झा कहलनि। मैथिली जिन्दाबाद केर तरफ सँ हार्दिक बधाई! प्रेस काउंसिल केँ धन्यवाद आ आभार। एहि तरहक महत्वपूर्ण प्रकाशन निरन्तरता में रहय, ई आवश्यक अछि।

हरि हर!!