अभिनीत शांडिल्य द्वारा दहेज मुक्त विवाहक संकल्प कयल गेल पूरा

बधाई सन्देश – यशगान संवाद

दहेज मुक्त मिथिला सँ जुड़ल सदस्य श्री अभिनीत शांडिल्य जीक विवाह ६ दिसम्बर २०२० केँ पूर्ण दहेज मुक्त सम्पन्न भेलनि। विदित हो जे २०११ सँ दहेज मुक्त मिथिला समूह मे जुड़ि संकल्प लेने छलाह जेकरा पूर्ति कयलनि आ कहलनि जे हम अपन सासुर पक्ष केँ बरियातियो के स्वागत मे कोनो तरदुत नहि हो ताहि तरहक छूट देलियनि आर तथापि १०० केर संख्या पुरि गेल जेकरा दहेज मुक्त मिथिला समूह निश्चित दहेज मुक्त विवाह केर श्रेणी मे राखत।
 
हम कहय चाहब जे बरियाती कोनो विवाहक साक्षी होइत छैक। गाम-समाजक सहभागिता विवाह मे अनिवार्य होइत छैक। तेँ एहि सब खर्च केँ अनिवार्य खर्च मानि कन्यापक्ष स्वस्फूर्त भावना सँ विवाह यज्ञ सम्पन्न करैत छथि। तेँ अभिनीत जी केँ खूब आशीर्वाद आ खूब यशगान हिनक जे एहि तरहक त्यागपूर्ण कार्य विवाह जेहेन पवित्र सम्बन्ध निर्धारण मे कयलनि अछि। कनियाँ केर मुंह देखितो हमरा एहि बातक पूर्ण विश्वास होइत अछि जे अहाँ सभक दहेज मुक्त जोड़ी एहि संसार केँ आरो सुन्दर बनाओत। बधाई पुनः पुनः!!
 
हरिः हरः!!