विराटनगर मे मिथिला भवन व गायत्री मन्दिर निर्माणार्थ भूमि पूजन कयल गेल

मैथिली सेवा समिति विराटनगर द्वारा मिथिला भवन आ गायत्री मन्दिर निर्माण लेल भूमिपूजन सम्पन्न

४ दिसम्बर २०२० । विराटनगर । मैथिली जिन्दाबाद!!

मैथिली सेवा समिति विराटनगर द्वारा गायत्री मन्दिर एवं मिथिला सामुदायिक भवन निर्माण लेल भूमि पूजन कार्य काल्हि दिनांक ४ दिसम्बर २०२० केँ विराटनगर मे सम्पन्न भेल अछि।
 
कोविड-१९ महामारी केर कारण सरकार द्वारा निर्धारित मापदंड अनुसार बिना कोनो विशेष भीड़भाड़ सिर्फ विराटनगर महानगरपालिका वार्ड संख्या १० केर वडाध्यक्ष माधव वाग्ले केर प्रमुख आतिथ्य, मैथिली सेवा समितिक अध्यक्ष डा. शंभुनाथ झा एवं संस्थापक अध्यक्ष डा. सुरेन्द्र नारायण मिश्र, उपाध्यक्षद्वय डा. योगेन्द्र प्रसाद यादव व श्रीमती सुनीता ठाकुर, महासचिव विपुलेन्द्र झा, कार्यकारिणी पदाधिकारी मनोज मिश्र, विपीन झा, प्रीति झा, अमर झा आदिक संग सलाहकार लोकनि मे भगवान झा, प्रवीण नारायण चौधरी, विवेकानन्द ठाकुर सहितक उपस्थिति व सहभागिता मे संस्थाक सहयोगी पंडित अरुण ठाकुर द्वारा वास्तु पूजन – भूमि पूजन कार्यक्रम सम्पन्न कयल गेल अछि।
 
एहि अवसर पर अध्यक्ष डा. झा अपन संछिप्त संबोधन मे मिथिला सामुदायिक भवन व गायत्री मन्दिर निर्माण लेल मैथिली सेवा समितिक दशकों केर सपना जमीन कीनबाक संग आधा पूर्णता पेबाक बात कहलनि। ओ जमीन कीनय लेल ११ सय न्युनतम सँ २ लाख ५१ हजार अधिकतम धरिक दाता सोझाँ आबिकय आर्थिक सहयोग करैत कुल ४८ लाख लगभग मे जमीन क्रय केर कार्य कयल जेबाक जनतब सेहो करौलनि। बाकीक आधा कार्य मे भवन व मन्दिर निर्माण करैत मैथिली भाषा-साहित्य आ समाज संग आनहु लेल ई परोपकारी आ सहयोगीक भूमिका निर्वाह करत से भाव उद्गार रखलनि।
 
तहिना प्रमुख अतिथि माधव वाग्ले नेपाल देशक विकास मे केवल भौतिक पूर्वाधार मात्र केर विकास नहि अपितु सब भाषा, संस्कृति आ बौद्धिक सम्पदाक संरक्षण, संवर्धन व प्रवर्धनक कार्य कयला सँ समग्र विकास होयबाक विचार दैत मैथिली सेवा समिति द्वारा प्रस्तावित भवन-मन्दिर निर्माण मे वडा कार्यालय दिश सँ उल्लेख्य भूमिका निर्वाह कयल जेबाक आश्वासन सेहो देलनि।
 
विदित हो जे भवन व मन्दिर निर्माण लेल करीब २ करोड़ बजट केर खर्च मे एक तीन तल्ला भवन जाहि मे सभागार, कार्यालय आ अतिथि निवास केर समुचित आ आधुनिक सुविधा सम्पन्न व्यवस्था रखबाक नियार अछि, तहिना विराटनगर मे गायत्री देवी केर मन्दिर नहि रहबाक कारण एतय वेदमाता गायत्री केर मन्दिरक संग मैथिली भाषा-साहित्यक महान स्रष्टा कविकोकिल विद्यापतिक स्मारक स्थल सेहो बनायल जेबाक योजना अछि। एहि पुनीत कार्य मे पूर्वहि सँ गछने भारतीय राजदूतावास सहित आरो संस्था सभक आर्थिक सहयोग केर संग नेपाल सरकारक तीनू तह केर सरकार द्वारा उल्लेख्य सहयोग प्राप्त करबाक संग स्वयं मैथिली भाषाभाषी दानदाता सभक योगदान सँ ई लक्ष्य पूरा कयल जायत से संस्थाक महासचिव विपुलेन्द्र झा स्पष्ट कयलनि।