समकालीक मैथिली लेखकक डाइरेक्टरी प्रकाशित कयल जायत, लेखक सँ परिचय पठेबाक अपील

विराटनगर, ५ जुलाई २०२० । मैथिली जिन्दाबाद!!

मैथिली एसोसिएशन नेपाल, विराटनगर द्वारा एक अपील जारी करैत मैथिलीक समकालीक लेखक लोकनि सँ अपन-अपन परिचय डा. रविन्द्र कुमार चौधरी जी केँ पठेबाक अनुरोध कयल गेल अछि।

डा. रविन्द्र कुमार चौधरी झारखंडक जमशेदपुर-गोल्मुरी स्थित एबीएम कालेजक एसोसिएट प्रोफेसर एवं मैथिली विभागाध्यक्ष छथि जे विगत किछु मास सँ सामाजिक संजाल एवं सम्पर्कित मैथिली-मिथिला अभियानी, लेखक आदि सँ सीधा सम्पर्क करैत समकालीक लेखक लोकनिक परिचय संकलन कय रहल छथि। एहि सन्दर्भ मे मैथिली एसोसिएशन नेपाल सँ सम्पर्क करैत उचित सहयोग लेल कहलनि। तदनुकूल एसोसिएशनक अध्यक्ष द्वारा एक अपील जारी कयल गेल अछि जे निम्न अछिः

अपील

समकालीन मैथिली लेखकक डाइरेक्टरी (मैथिली लेखक कोश) केर प्रकाशन – वि.सं. २०७७, वर्ष २०२० ई. मे जीवित

डा. रविन्द्र कुमार चौधरी, एसोशिएट प्रोफेसर एवं मैथिली विभागाध्यक्ष, एबीएम कालेज, गोल्मुरी (जमशेदपुर), झारखंड द्वारा प्रस्तावित प्रकाशन होबय जा रहल उपरोक्त डाइरेक्टरी लेल समकालीन मैथिली लेखक लोकनि सँ अपन परिचय निम्न प्रारूप मे पठेबाक अपील करैत छी।

१. नाम (मूल आ उपनाम)

२. पिता/पति केर नाम

३. जन्म तिथि

४. शिक्षा

५. वृत्ति

६. जाति (ऐच्छिक)

७. स्थायी पता (पैतृक)

८. पत्राचारक पता (वर्तमान)

९. मोबाईल, वाट्सअपन नंबर

१०. ईमेल पता

११. साहित्यिक उपलब्धि – क. मैथिली मे प्रकाशित पहिल रचनाक नाम आ वर्ष, ख. मैथिली मे प्रकाशित पोथीक नाम

१२. मैथिली सेवाल लेल प्राप्त सम्मान

उपरोक्त समस्त जानकारी ईमेल द्वारा – [email protected] or [email protected] या फेर व्हाट्सअप नम्बर +918986813982 पर डा. चौधरी केँ उपलब्ध करा दियनि।

विनीतः

प्रवीण नारायण चौधरी

अध्यक्ष, मैथिली एसोसिएशन नेपाल,

विराटनगर।