मुख्यमंत्री मो. लालबाबूक बयान बेतुका अछिः नेपाल भारत खुला सीमा संवाद समूह संयोजक राजीव झा

२९ सितम्बर २०१९. मैथिली जिन्दाबाद!!

नेपाल भारत खुला सीमा संवाद समूह संयोजक राजीव झा – प्रदेश २ केर मुख्यमंत्री लालबाबू राउत केर बयानक कड़ा निन्दा आ विरोध मे तर्कसंगत पक्ष रखलनि अछि।

नेपाल आर भारत बीच रहल खुल्ला सीमाक कारण अपराध पर नियंत्रण करय मे समस्या एबाक नेपालक प्रदेश २ केर मुख्यमंत्री मो. लालबाबू राउत केर बयान धीरे-धीरे तुल पकड़ने जा रहल अछि।

शुक्र दिन सँ प्रदेश २ केर राजधानी जनकपुर मे आयोजित सुरक्षा गोष्ठी मे प्रदेश २ केर मुख्यमंत्री द्वारा भारत संग जुड़ल सीमाक्षेत्र खुल्ला होयबाक कारण शान्ति-सुरक्षा कायम केनाय चुनौतीपूर्ण होयबाक धारणा रखलनि अछि। संगहि हुनकर कहब छलन्हि जे संघीयता कार्यान्वयन संग संघ, प्रदेश आर स्थानीय तह केर समन्वय एवं सहकार्य मे सुरक्षा संयन्त्र परिचालन कयला सँ अपराधिक घटनाक न्यूनीकरण कयल जा सकैत अछि। शान्ति सुरक्षा मात्र सरकारक प्राथमिक दायित्व रहबाक बात कहैत एहि लेल चुस्त शासन-प्रशासन हेतु जिम्मेदार सब निकाय केँ अपन–अपन स्थान सँ प्रयास करबाक विन्दु पर ओ जोर देलनि। ई बैसार नेपाल सरकारक गृह मन्त्रालय आर प्रदेश २ केर आन्तरिक मामिला तथा कानुन मन्त्रालयक संयुक्त आयोजना मे शुक्र आ शनि दिन चलल। धनुषाक प्रमुख जिल्ला अधिकारी प्रदीपराज कणेल, नेपाल प्रहरीक महानिरीक्षक सर्वेन्द्र खनाल, सशस्त्र प्रहरी महानिरीक्षक शैलेन्द्र खनाल, राष्ट्रीय अनुसन्धान विभागक प्रमुख गणेश अधिकारी, नेपाली सेनाक पृतनापति नरेशचन्द भट्ट तथा गृहमन्त्रीक सुरक्षा सल्लाहकार ईन्द्रजीत राई एहि बैसार मे सहभागी भेलाह। संगहि ८ जिलाक प्रमुख जिला अधिकारीक संग नेपाल प्रहरीक प्रहरी उपरीक्षक, सशस्त्र प्रहरी उपरीक्षक, सेनाक आरो-आरो पदाधिकारी तथा राष्ट्रीय अनुसन्धान विभागक प्रमुख लोकनिक सहभागिता एहि बैसार मे रहल छल। (समाचारः साभार रातोपाटी)

एम्हर प्रदेश सरकार मे सहयोगी राजनीतिक दल राष्ट्रीय जनता पार्टीक स्थानीय नेता संगहि संगठन मे सेहो महत्वपूर्ण पद पर आसीन नेपाल भारत खुला सीमा संवाद समूहक संयोजक राजीव झा मुख्यमंत्री लालबाबू राउत केर उपरोक्त बयान जाहि मे खुल्ला सीमाक कारण अपराध नियंत्रण या शान्ति सुरक्षा चुनौतीपूर्ण रहबाक बात कहल गेल अछि तेकर जोरदार खंडन कयलनि अछि। राजीव झा बखूबी विश्वक कइएक देश मे खुल्ला सीमा सँ प्राप्त लाभ संग शान्ति-सुरक्षा व्यवस्था लेल अपन जिम्मेदारी ईमानदारी सँ पूरा करबाक पक्ष पर जोर देलनि अछि।

श्री राजीव झा द्वारा नेपाली भाषा मे देल गेल मुख्यमंत्रीक मंतव्य प्रति विरोध आ खंडनक जबाब मे काफी रास सारगर्भित आ महत्वपूर्ण बुंदा पर ध्यानाकर्षण संग सामाजिक संजाल आ मीडिया मे समाचार प्रकाशित भेल अछि। बुँदावार केर रूप राजीव झाक बात पर एक नजरिः

१. ‘खुला सीमाक कारण सुरक्षा मे चुनौती अछि’ – एहेन बयान मुख्यमंत्री केँ देनाय एकदम नहि सोहाइत अछि।

२. एहि तरहक बयान मुख्यमंत्रीक अकर्मण्यता थिक। कि प्रदेशक प्रहरी अहाँ नियंत्रण मे अछि? सेना, कर्मचारी अहाँक नियंत्रण मे अछि? प्रमुख जिला अधिकारी या स्थानीय निकाय अहाँक नियंत्रण मे अछि?

३. अहाँ साइकिल बाँटू, प्रदेशक बजट केँ चलाउ, जानकी मन्दिर जेहेन स्थान पर गुणस्तरहीन संगमर्मर लगेबाक लेल खर्च करू।

४. खुला सीमाक कारण सुरक्षा चुनौती बिल्कुल नहि अछि। प्रहरी प्रशासन केँ आरो चुस्त-दुरुस्त होयब पड़त। सीमा मे सशस्त्र प्रहरी, जनपद प्रहरी, अनुसन्धान प्रहरी सहितक सुरक्षा निकाय केँ अतिरिक्त कर्तव्यभार निभाबय पड़त। प्रहरी जँ चाहि लेत तऽ कोनो मन्दिर-मस्जिद केर आगाँ सँ एक जोड़ी चप्पल तक चोरी नहि भऽ सकैत अछि।

५. खुल्ला सीमाक कारण सुरक्षा चुनौती होइतैक तँ पाकिस्तान आ भारतक सीमा खुलल नहि छैक तैयो कश्मीर मे सुरक्षा चुनौती छैक। पाकिस्तान आर बंग्लादेशक सीमा खुलल नहि छैक तैयो सुरक्षा चुनौती छैक। अमेरिका जेहेन सम्पन्न देशक वर्ल्ड ट्रेड सेन्टर मे आक्रम होइत छैक। पाकिस्तान, अफगानिस्तान, इराक सहित विश्वक कइएको देश मे प्रतिदिने आतंकवादी हमला होइत छैक। ई सब खुल्ला सीमाक कारण सँ नहि होइत छैक।

६. हमर मामा गाम बिहार मे अछि। एतय मधेस मे रहयवला बेसी लोकक कोनो न कोनो नातेदार-सम्बन्धी भारत मे छैक। हम सब अपनो सुरक्षा चाहैत छी आर मामा लोकनिक सेहो। अपन सुरक्षाक संग भारत मे रहयवला हमरा सभक मामा, फुफा, बहनोइ, दीदी, बहिन सभक सुरक्षा सेहो चाहैत छी।

७. नेपाल आर भारतक नागरिक बीच शदी-शदी सँ वैवाहिक सम्बन्ध, सांस्कृतिक सम्बन्ध, धार्मिक सम्बन्ध, राजनैतिक सम्बन्ध, रामजानकीक सम्बन्ध, काशी विस्वनाथ आर बाबा पशुपतिनाथक सम्बन्ध, हिन्दु धर्मावलम्बी सभक बाबाधाम संगक सम्बन्ध – सबटा खुला सीमाक कारण सम्भव भेलैक अछि। खुला सीमा नहि होयबाक कारण नेपाल आर चीन बीच एहेन सम्बन्ध नहि छैक, नेपाल व पाकिस्तान, नेपाल व बंगलादेश या भारत व पाकिस्तान, भारत व बंगलादेश बीच सेहो बेटी रोटीक सम्बन्ध नहि छैक।