टूटैत परिवार केँ बचेलक दहेज मुक्त मिथिला अभियान

३० अगस्त २०१९। मैथिली जिन्दाबाद!!

दहेज मुक्त मिथिला केर कुशेश्वरस्थान इकाई केर अगुवाई मे आइ बाबा कुशेश्वरनाथ मन्दिर प्रांगन मे आयोजित एक सामाजिक बुझारत केर माध्यम सँ दुइ टूटैत जोड़ी केँ एक करायल गेल अछि। पैछला कतेको मास सँ ढांगा ग्राम केर प्रभाष शर्माक सुपुत्री नीतू देवी केँ हुनक पति ग्राम चौकिया (ईटहर) निवासी रामउदगार शर्माक सुपुत्र पंकज शर्मा तथा ससुरारिक लोक द्वारा विभिन्न कारण सँ एकटा बच्चा सहित ओकर नैहर मे छोड़ि देल गेल छल। पत्नी नीतू देवी द्वारा अपन पति एवं ससुरारिवलाक संग सुलह करेबाक लेल देल गेल आवेदनक सुनबाई करैत दहेज मुक्त मिथिलाक दरभंगा संयोजक मनोज शर्मा पहल कयलनि। दहेज मुक्त मिथिला केर पहल पर दुनू पक्ष सँ पहिने अलग-अलग सब मामिला केँ बुझलाक बाद आमने-सामने होयबाक अनुरोध कयल गेल। एहिपर दुनू पक्षक सहमति सँ आइ बाबा कुशेश्वरनाथ मन्दिर केर प्रांगण मे दुनू दिशक अभिभावक आ समाजक गणामान्य सज्जनक सोजाँ समझा-बुझाकय संग रहबाक लेल सहमति पत्र बनायल गेल।
 
दहेज मुक्त मिथिला केर तरफ सँ मुख्य संयोजक श्री संजय सिंह केर संग श्री घनश्याम चौधरी, श्री राजेश कुमार, श्री कार्तिक कुमार एवं अन्य पदाधिकारी लोकनिक अलावे समाजक गणमान्य श्री भैरव राय, श्री जरून पासमान, श्री राजेश साहु, श्री महेन्द्र राय, श्री ब्रह्मदेव राय व अन्य केर उपस्थिति मे असन्तुष्ट पत्नी व ओकर परिजन तथा असन्तुष्ट पति व ओकर परिजनक संग सब विन्दु पर चर्चा कयकेँ पिछला सारा गलती सँ सीख लैत आगू दुनू पति आ पत्नी केर जीवन केँ बसेबाक लेल किछु बुंदागत निर्णय करैत समझौता पत्र बनाकय दुनू पक्ष केँ एक संग रहबाक लेल राजी कय लेल गेल। बाद मे पति आ पत्नी केँ संग-संग मिलिकय बाबा कुशेश्वरनाथ केर सामने शपथ लेबाक आ आगाँक जीवन खुशमय बितेबाक लेल संकल्प सेहो दियाओल गेल।
 
विदित हो जे एहिसँ पूर्वहु मे एहि तरहक दहेज आ अन्य कारण सँ कतेको टूटैत परिवार केँ दहेज मुक्त मिथिलाक मुहिम द्वारा जिन्दगी केँ पटरी पर अनबाक कार्य कयल गेल अछि। संयोजक मनोज शर्मा दुनू पक्षक लोक प्रति धन्यवाद ज्ञापन करैत दहेज मुक्त मिथिला केर आह्वान पर सामाजिक पंचायत लेल विशेष तौर पर संजय सिंह जे कि सामाजिक-राजनीतिक कार्यकर्ता एवं एहि अभियानक वरिष्ठ सलाहकार सेहो छथि हुनका प्रति आभार प्रकट कयल गेल। नेपालक विराटनगर सँ अन्तर्राष्ट्रीय संयोजक प्रवीण नारायण चौधरी द्वारा दुनू पक्ष सँ पिछला दिनक सब कटुता केँ एकटा दुर्घटना बुझिकय बिसरि जेबाक आर आगाँक जीवन बाबा कुशेश्वरनाथ केर कृपा सँ सुखी एवं समृद्ध बनेबाक दिशा मे बढेबाक लेल अपील कयल गेल।