नेपाल मे फेर सँ बनत नव राजनीतिक गठबन्धन – आब राजपा आ काँग्रेस द्वारा साझा मुद्दा पर गठबन्धन

Photo: File - Courtesy: Ratopati

१० जुलाई २०१९. मैथिली जिन्दाबाद!!

Photo: File – Courtesy: Ratopati

नेपाल मे राजनीतिक परिवर्तन केर दौर एखनहुँ कतेको तरहक समीकरण बनबैत आ बिगड़ैत देखा रहल अछि। आइ रातोपाटी मे प्रकाशित समाचार मुताबिक नेपाली कांग्रेस संग राष्ट्रीय जनता पार्टी केर नव गठबंधन बनाओल गेल अछि जाहि मे सदन आ सड़क सँ एकरूप विचारधाराक संग राजनीतिक संघर्ष करबाक वचनबद्धता प्रकट कयल गेल अछि। आउ पढी पूरा समाचारः प्रकाशित समाचारक मैथिली अनुवाद –

असार २० गते काँग्रेसक सभापति शेरबहादुर देउवाक निवासमे भेल दुइ दलबीचक विचार आ सहमतिसँ साझा मुद्दा बनाकय सदन व सड़कक संघर्ष आगू बढेबाक सहमति भेल कहल गेल अछि।

राजपा नेपालक अध्यक्षमण्डलक संयोजक अनिल झा द्वारा साझा मुद्दा व एजेण्डामे मिलिकय संघर्ष करबाक विषयमे काँग्रेससँग विचार-विमर्श होयब सकारल गेल । ‘सरकारमे रहल दल सभ द्वारा राजपा नेपालक उठायलो मुद्दाक बेवास्ता कयल गेल अछि। जे प्रतिपक्षमे अछि ओ संग देत ताहि लेल गठबन्धन बनल’ ओ कहलनि, ‘सरकारमे रहल दल सभ सेना परिचालन, मीडियासम्बन्धी विधेयक आनि उचित व्यवहार नहि देखेलक। लोकसेवा आयोगक विषयमे किछुओ नहि बाजि रहल अछि।’

लोकतान्त्रिक विधि, प्रक्रिया, समावेशी समानुपातिक प्रणाली कार्यान्वयन करबाक बदला सरकार जनताप्रति निरकुंश होइत जा रहल दाबी करैत संयोजक झा द्वारा समयक माँग व बाध्यताक कारण गठबन्धन करबाक निष्कर्ष मे पहुँचबाक बात बतायल गेल अछि।

ताहि अनुसार मंगल दिन सर्लाही घटनाक‍ विषयमे काँग्रेस व राजपा द्वारा एकसंग सदन अवरुद्ध करबाक बात संयोजक झा बतेलनि। तहिना बुध दिन सेहो बैठकक शुरुए मे काँग्रेस व राजपाक सांसद लोकनि ठाढ भऽ कय विरोध जनेने रहथि। लेकिन, काँग्हरेस व राजपाक सांसद लोकनि रोष्टम घेराव कय नाराबाजी कय रहल समय सभामुख कृष्णबहादुर महरा द्वारा सचिव गोपालनाथ योगी केँ सभामे उत्पत्ति भेल विनियोजन विधेयक २०७६, आर्थिक विधेयक २०७६, राष्ट्र ऋण उठेबाक विधेयक २०७६, ऋण तथा जमान तेइसम विधेयक २०७६ केर सम्बन्धमे राष्ट्रियसभासँ प्राप्त सन्देश केँ जानकारी करेबाक अनुमति देल गेल छल।

सचिव योगी द्वारा नाराबाजीक बीचमे राष्ट्रियसभा सँ प्राप्त सन्देश पढिकय सुनायल गेल छल। काँग्रेस व राजपा द्वारा सर्लाही घटनाक छानबीन करबाक लेल संसदीय छानबीन समिति गठन करबाक माँग कयल जाइत रहल अछि।

सत्तारुढ दल समाजवादी पार्टी, नेपालसँग एकीकरणक लेल वार्ता चलि रहबाक समय राजपा नेपाल तथा काँग्रेस नजदीक होयबाक बात केँ अर्थपूर्ण रूपमे देखल जा रहल अछि।

 समाजवादी पार्टी संगे एकीकारणक लेल बहुत दिन सँ विचार-विमर्श चलि रहलाक बादहु हाल धरि कोनो नतीजा नहि निकलि पेलाक बाद राजपा नेपालक नेता लोकनि सशंकित भेल छथि। समाजवादी पार्टी द्वारा स्वयं केँ एकताक नाम मे उलझायल गेल अछि तेना अनुभव होयबाक जानकारी एक नेता द्वारा देल गेल।

समाजवादी पार्टी सरकारमे रहितो राजपा नेपालकेँ कोनो प्रकारक सहयोग नहि भेलैक। राजपा नेपाल द्वारा उठायल गेल माँग पर सरकार केँ फोरम नेपाल द्वारा दवाव बढेबाक बदला चुपचाप बैसल रहबाक राजपा नेपाल द्वारा निष्कर्ष निकालल गेल अछि।

राजपा नेपालक एक नेताले कहलनि, ‘समाजवादी पार्टी सरकार छोड़बाक मनस्थितिमा नहि अछि। लेकिन, सरकार मे रहितो संविधान संशोधन, लाल आयोगक प्रतिवेदन, रेशम चौधरीक मुद्दा, आन्दोलनकारी सभ पर रहल मुद्दा फिर्ता सहितक विषय मे सरकार पर दबाव बनाबय पड़ैत छलैक। सेहो सब नहि कय सकल अछि। स्वयं सरकार मे रहब आ राजपा संग एकता करबाक हल्ला कय केँ बात केँ फँसाकय राखल गेल अछि।

एहि बीच मंगल दिन बैसल राजपा नेपालक अध्यक्षमण्डलक बैठकमे राजेन्द्र महतोक आलोचना भेलनि। समाजवादी पार्टीसंग एकता होयत कहिकय बाहर हल्ला पसैर गेलाक बादो पार्टी मे कोनो जानकारी नहि होयबाक बात कहिकय हुनकर आलोचना भेलनि अछि। महतो राजपा द्वारा गठन कयल गेल वार्ता टोलीक संयोजक छथि।

महतो द्वारा समाजवादी पार्टीक अध्यक्ष एवं उपप्रधानमन्त्री उपेन्द्र यादवसंग नियमित विचार-विमर्श कयल जा रहबाक बात कहल गेल मुदा एखन धरि कोनो निष्कर्ष नहि निकलबाक शिकायत नेता लोकनि कएने छलाह।

एकर जबाब मे महतो द्वारा एकता बारे बातचीत होइतो रहलाक बाद कोनो उल्लेख्य प्रगति नहि हेबाक बात बतौलनि, बैठक मे सहभागी एक नेताक कहब छलन्हि।

अही बैठकसँ काँग्रेससंगक सहकार्यकेँ निरन्तरता दैत आगू बढबाक निष्कर्ष निकालल जेबाक बात कहल गेल अछि।

काँग्रेसक उपसभापति विमलेन्द्र निधि द्वारा साझा एजेण्डामे दुनू पार्टी संसदमे एक ठाममे रहत कहैत आन मुद्दाक विषयमे केना आगू बढत ताहि विषयमे विचार-विमर्श चलि रहबाक बात बतेलनि। ओ कहलनि, “एखन ताहिमे खासे कोनो प्रगति नहि भेल अछि।”

राजपा नेपाल द्वारा कम्युनिस्ट पार्टीसंग सहकार्य कयकेँ एहिसँ पहिने गठबन्धन बनायल गेल छल लेकिन काँग्रेससंग एहि सँ पहिने कहियो गठनन्धन नहि बनायल गेल छल।