मैथिली फिल्म ‘लव यू दुलहिन’ केर ट्रेलर आ टीजर होयत रिलीज १५ जनवरी दिल्ली मे

मैथिली फिल्म लव यू दुलहिन केर पोस्टर-टीजर रिलीज दिल्ली मे

फिल्म समाचार – १३ जनवरी २०१९. मैथिली जिन्दाबाद!!

मैथिली फिल्म मे फेरो एकटा नव रिलीज केर अनुपम उपहार नया साल केर आरम्भहि मे भेटय जा रहल अछि। कन्हाई कुमार मिश्र अपन फेसबुक स्टेटस मार्फत हकार केर सूचना दैत जनौलनि अछि जे मैथिली फिल्म “लव यू दुलहिन” केर टीजर एड आ ट्रेलर १५ जनवरी केँ दिल्ली मे रिलीज होमय जा रहल अछि। एहि फिल्म मे मैथिलीक प्रसिद्ध गायक विकास झा अभिनेताक रूप मे नजरि पड़ता। फिल्म केर पोस्टर सँ ज्ञात होइत अछि जे श्री रामजानकी फिल्म्स केर प्रस्तुति तथा निर्माता विष्णु पाठक – रजनीकान्त पाठक संग एकर निर्देशक मनोज श्रीपति छथि। कथा सेहो मनोज श्रीपति केर छन्हि। गीत सुधीर कुमार – विक्की झा – प्रकाश चंद्र मनोज आ संगीत धनंजय मिश्रा केर देल छन्हि। नृत्य अमित नायक, छायांकन अजित दास आ संकलन सुकुमार मणि केर छन्हि।

कन्हाई कुमार मिश्र केर स्टेटस

!!हकार!! !!हकार!! !!हकार!!

अपार हर्ष के संग अपने सब के सूचित करै छि की बहु प्रतीक्षित मैथिली सिनेमा “लव यू दुलहिन” के ट्रेलर आ टीजर रिलीज कार्यक्रम १५ जनवरी के राखल गेल अछि । दिल्ली में रहय वाला समस्त मैथिल आ सिनेमा प्रेमी सँ निवेदन अछि जे अपन उपस्थिति सँ हमरा सबकेँ कृतार्थ करियौ । फ़िल्म समाज लेल होय छै । फ़िल्म केँ कोना आगू लय जायल जाय ओहि पर सेहो अपने लोकनिक सुझाव चाही । ट्रेलर रिलीज कार्यक्रम में अपने सब जरूर आबियौ । (सम्पादित)