देव महिला समाज केर अगुवाई मे भव्यतम् जीतिया समारोह संपन्न

देव महिला समाजक अगुवाई मे पहिल बेर जीतिया महोत्सव

विराटनगर, १ अक्टुबर २०१८. मैथिली जिन्दाबाद!!

देव महिला समाज केर अगुवाई मे विराटनगर मे जीतिया समारोह

परसू शनि दिन २९ सितम्बर २०१८ विराटनगर स्थित होलीलैन्ड स्कूल केर प्रांगण मे देव महिला समाज केर अगुवाई मे भव्य सँ भव्यतम् जीतिया समारोह केर आयोजन कयल गेल अछि। एहि आयोजनक उद्घाटन प्रदेश नंबर २ केर उपसभामुख श्रीमती उपमा देव द्वारा कयल गेल। संगहि एहि समारोहक अध्यक्षता वरिष्ठ नागरिक श्रीमती मनोरमा देव कयलीह। अन्य गणमान्य अतिथि लोकनि मे फिल्म तथा सीरियल निर्मात्री आभा अनुपमा, मैथिलीक प्रसिद्ध गायक आभास लाभ, ७ गोट ज्येष्ठ महिला नागरिक सहित देव समाजक अन्य विभिन्न व्यक्तित्व लोकनिक सहभागिता रहल। गायक वीरेन्द्र झा, पुरुषोत्तम चौधरी, पिंकी दास तथा अन्य बाल-बालिका कलाकार द्वारा भव्य सांस्कृतिक कार्यक्रमक प्रस्तुति सेहो कयल गेल छल। एहि समारोहक उद्घोषण राधा मंडल कएने छलीह। आयोजनक संयोजन कार्य मे युवा सामाजिक अभियन्ता भास्कर चौधरी, संजय देव, प्रवेश चौधरी, सूरज देव, सैलेश देव, जितेन्द्र देव, रौशन देव सहित अन्य पुरुष तथा महिला अभियानी लोकनिक सक्रियता मे ई महत्वपूर्ण आयोजन संपन्न भेल।
 
समारोहक मुख्य आकर्षण मे डा. आभास लाभ द्वारा मैथिलीक अनेकों गीतक संग नृत्यक प्रस्तुति आ ताहि संग-संग मातृभाषा मैथिली तथा मिथिलाक लोकसंस्कृति केर महत्वपर प्रकाश देबाक कार्य छल। तहिना देव समाजक अगुआ तथा मैथिली भाषा आ संस्कृति प्रति कतेको वर्ष सँ उत्कृष्ट योगदान देनिहार व्यक्तित्व मैथिली सेवा समितिक वरिष्ठ उपाध्यक्ष ई. फूल कुमार देव केर उपस्थिति सेहो अत्यन्त सारगर्भित रहल। सांगीतिक कार्यक्रमक अतिरिक्त जीतिया पाबनिक महत्ता पर विभिन्न वक्ता लोकनिक संबोधन आ बड़-बुजुर्ग महिला लोकनि द्वारा कथा वाचन सेहो कयल गेल छल। नारी शक्ति द्वारा अपन पति, सन्तान, परिजनक कल्याण लेल कयल जायवला ई अत्यन्त कठिन व्रत केर महिमागानक संग-संग स्वजन-परिजनक संग समारोहपूर्वक जीतिया समारोहक आनन्द उठबैत सम्पूर्ण सहभागी लोकनि काफी प्रसन्न देखेल गेल।
 
एहि आयोजन मे मैथिली जिन्दाबाद केर संपादक प्रवीण नारायण चौधरी सेहो भाग लेलनि तथा समाज सँ दहेज विरुद्ध संकल्पित हेबाक सन्देश देलनि। ओ कहलनि जे शिक्षा, संस्कार, मूल्यवान् पंजी परम्परा आदिक रक्षा मे देव समाजक योगदान काफी महत्वपूर्ण रहल अछि। मिथिला मे राजा हरसिंह देव केर काल सँ सब जातिक वास्ते वैवाहिक पंजियन परम्परा आरम्भ करितो आइ किछुए जातीय-समुदाय एहि महत्वपूर्ण वैज्ञानिक परम्पराक निर्वहन करैत अछि जाहि मे देव समाज सेहो छथि। लेकिन दहेज कूरीतिक बढैत प्रकोप सँ ईहो समाज अपना केँ नहि बचा सकबाक विन्दुपर ओ अफसोस प्रकट करैत समुदाय सँ आगाँ बढिकय एहि कूप्रथाक अन्त करैत दहेज मुक्त मिथिलाक परिकल्पना पर सहयोग लेल आम अपील कयलनि।
 
समारोहक अन्त भव्य स्वरुचि भोजक संग कयल गेल। लगभग ७ घंटा धरि चलल मैराथन सांस्कृतिक आयोजन एवं स्वरुचि भोज केर सुस्वादु यज्ञान्न ग्रहण कय सब कियो पुनः एकत्रित होयबाक संकल्पक संग अपन घर प्रस्थान कयलनि। विशुद्ध मैथिली सांस्कृतिक आयोजन आ मिथिलाक रीत-रेबाजक संरक्षण मे देव समाज केँ जहिना जिम्मेदार समुदाय मानल जाइत रहल अछि, ताहि तरहक सुन्दर, अनुशासित आ सुसंगठित आयोजनक चर्चा एखन विराटनगर सहित देशक विभिन्न स्थान पर कयल जा रहल अछि।