११-सूत्रीय मांग लेल दरभंगा मे धरनाः अभामिरासंस केर नेतृत्व

दरभंगा, अप्रैल १२, २०१८. मैथिली जिन्दाबाद!!

अखिल भारतीय मिथिला राज्य संघर्ष समिति द्वारा दरभंगा मे विभिन्न ११ सूत्रीय मांग लेल धरना-प्रदर्शन कयल गेल अछि।

मैथिली के द्वतीय राजभाषा के दर्जा संग निम्नलिखित ग्यारहसूत्री मांग :-

1. मिथिलाक समग्र विकास लेल अविलंब पृथक मिथिला राज्यक गठन हो।

2. केंद्र और राज्य सरकारक सभ कार्यालय में मैथिली अनुवादक बहाल कयल जाय आ सरकारी ऑफिस पर मिथिलाक्षर में बोर्ड टांगल जाय।

3. मैथिली में प्राथमिक शिक्षा अनिवार्य कयल जाय। 4.मिथिलाक सभ रेलवे टीसन सरकारी ऑफिस पर मिथिलाक्षर में बोर्ड टांगल जाय आ मैथिली में उद्घोषणा कयल जाय।

5. दरभंगा में हाईकोर्ट बेंच स्थापित कयल जाय। 6.बाढ़ आ रौदीक स्थाई निदान हो।

7. बन्न चीनी मिल, जूट मिल ,कागत मिल आदिकेँ चालू करबाक संग नव उद्योगक स्थापना क रोजगारक अवसर ठाढ कयल जाय।

8. मिथिलाकेँ शिक्षाक केंद्र बना छात्र के पलायन रोकल जाय।

9. आकाशवाणी दरभंगासँ समस्त प्रसारण मैथिली में हो ।

10. मिथिला क्षेत्र में दूरदर्शन प्रसारण लेल केंद्रक स्थापना कयल जाय।

11. आकाशवाणी दरभंगा में समाचार एकांश स्थापित क प्रादेशिक समाचारक संग मैथिली में समाचारक प्रसारण सुनिश्चित कयल जाय।

उपयुक्त मांगक पुर्ति नहि हेबाक स्थिति में समिति अपन आंदोलनकेँ आरो धरगर बनायत । समिति अपन परम लक्ष्य पृथक मिथिला राज्य गठन आ मिथिलाक सर्वांगीण विकास के लेल संकल्पित अछि। दरभंगा कमिश्नरी परक आजुक धरनाक किछु दृश्य