जानकी मन्दिर केँ विश्व सम्पदा स्थल मे शामिल करेबाक अभियानक भार आब स्थानीय सरकारपर

जनकपुर, १३ फरबरी, २०१८. मैथिली जिन्दाबाद!!

काल्हि १२ फरबरी, २०१८ सोम दिन जानकी मन्दिर, जनकपुरधामकेँ विश्व सम्पदा स्थलक सूची मे सूचीकृत करेबाक अभियानक हाल धरिक प्रगतिक दस्तावेज सहित आगामी समय पूरा कयल जायवला विभिन्न चरणक प्रक्रिया लेल सम्पूर्ण जिम्मेवारी अभियानक शुरुआत करयवला संस्था भोर तथा मिथिला पर्यटनक अभियन्ता राज कुमार महतो द्वारा जनकपुर उपमहानगरपालिकाक मेयर लाल किशोर साह केँ हस्तान्तरण कयल गेल अछि। 

विदित हो जे मातृभूमि मिथिला आ संस्कृतिक संरक्षण-संवर्धन-प्रवर्धनक संग समाजिक कूरीति विरुद्ध लड़बाक जनजागरण कार्यक्रम, मुसहर समुदायक छात्र-छात्रा केँ पूर्ण साक्षर बनेबाक अभियान, मिथिला पर्यटन केँ बढावा देबाक अभियान, मैथिली भाषामे फिल्म उद्योग केँ नव ऊँचाई प्रदान करेबाक प्रयास सहित अनेकानेक समाजोपयोगी-राष्ट्रोपयोगी अभियान मे निरन्तर कार्य करैत आबि रहल संस्था ‘भोर’ आ एकर संस्थापक राज कुमार महतो आइ सँ लगभग ४ वर्ष पूर्वहि सँ जनकपुर स्थित जानकी मन्दिर केँ विश्व सम्पदा स्थल मे सूचीकृत करेबाक वास्ते उच्चस्तर पर प्रयास आरम्भ कएने छलाह। काल्हि जनकपुर उपमहानगरपालिकाक कार्यालय मे पत्रकार समाजक उपस्थिति मे उपरोक्त उल्लेखित दस्तावेज हस्तान्तरण करबाक लेल औपचारिक समारोहक आयोजन करैत मेयर साह केँ समस्त कागजात हस्तान्तरण कयलनि। एहि अवसरपर अभियन्ता महतो द्वारा पूर्व मे कयल गेल सम्पूर्ण प्रयासक व्योरा सेहो राखल गेल छल, संगहि एहि सँ सम्बन्धित पत्राचार व अन्य सम्बन्धित सूचना सहितक फाइल मेयर साह केँ हस्तान्तरित करैत आगामी प्रक्रिया पूरा करबाक लेल जिम्मेदारी सौंपबाक बात ओ कहलनि। मेयर साह द्वारा एहि जिम्मेवारी केँ सहर्ष स्वीकार करैत आगूक सब काज पूरा करबाक लेल वचनबद्धता प्रकट कयल गेल अछि।

जानकी मन्दिरकेँ विश्व सम्पदा स्थलक रुपमे सूचीकृत करेबाक अभियानक शुभारम्भ, हाल धरिक प्रगति आर अगामी प्रशासनिक तथा प्राविधिक कदम आदिक व्योरा सहितक आवश्यक कागजात सब अभियानक तरफ सँ स्थानीय सरकारक रुपमे रहल जनकपुर उपमहानगरपालिकाकेँ औपचारीक हस्तान्तरण कयलहुँ अछि। एहि अभियान केँ जाहि लगन सँ शुरू कयल गेल – ओतबा लगन सँ एकरा अन्तिम परिणाम धरि पहुँचेबाक लेल हम सब सक्रिय रहब। पत्रकार समाज केँ संबोधित करैत कहलनि राजकुमार महतो।

बकौल महतो जानकी मन्दिरकेँ विश्व सम्पदा स्थलक रुपमे सूचीकृत करेबाक अभियानकेँ प्रशासनिक तथा प्राविधिक कार्य सब आगू बढेबाक जिम्मेवारी काल्हिसँ स्थानीय सरकारक रुपमा रहल जनकपुर उप महानगरपालिका सहर्ष ग्रहण केलक अछि। पत्रकार सम्मेलन मार्फत जनकपुर उपमहानगरपालिकाक मेयर साहब श्री लाल किशोर साहजीक कार्यकक्षमे ई कार्यभार सौंपल गेल अछि। एहि पावन तथा रणनैतिक अभियानमे विगत चारि वर्ष सँ हाल धरि योगदान देनिहार सम्पुर्ण महानुभावलोकनि प्रति हार्दिक साधुवाद अर्पण करय चाहब ओ कहलनि। ओ आशा व्यक्त करैत बजलाह जे जनकपुर उप महानगरपालिका आर पुरातत्व विभाग द्वारा अपन जिम्मेवारी चुस्त-दुरुस्त तरीकासँ निर्वाह करैत कम सँ कम समयमे जानकी मन्दिरकेँ विश्व सम्पदा स्थलक रुपमे सूचीकृत करेबाक कार्यकेँ सफलतापूर्वक सम्पन्न कयल जायत आर जल्दिये देशक गौरवमे आरो गौरव जुटैत हम सब देखि सकब। जय जानकी, जय मिथिला।