२५म साहित्याङ्गन समारोह संपन्न भेल सभागाम-भखराईन मे, मुखपत्र सेहो विमोचित

साहित्याङ्गनक मुखपत्र केर भेल विमोचन

जनवरी २, २०१८. मैथिली जिन्दाबाद!! 

२५म साहित्याङ्गन आयोजन सभागाम (भखराईन) मे आयोजित

मंचासीन अतिथि लोकनि द्वारा साहित्याङ्गन मुखपत्र केर विमोचन

परमहंस लक्ष्मीनाथ गोसाई एवं कांची नाथ झा किरण पर केन्द्रित, संगहि अन्य १७ मैथिली भाषा-साहित्य सर्जक प्रति पुष्प अर्पित साहित्याड़्गनक २५म मासिक समारोह मधुबनी जिलाक प्रसिद्ध गाम सभागाँव (भखराईन) मे आयोजित भेल। ई समारोह संत लक्ष्मीनाथ गोसाईं तथा काञ्चीनाथ झा किरण पर केन्द्रित छल। संत लक्ष्मीनाथ केर प्रसंग मुख्य वक्ता अभयकान्त ठाकुर द्वारा हुनकर साहित्य तथा जीवन दर्शन पर वक्तव्य दैत हुनकर रचित पदपर सारगर्भित व्याख्या सेहो कयलन्हि। तहिना मैथिलीक जैड़ आ जमीनकेँ मजबूत बनेबामे किरणजीक योगदान अविस्मरणीय अछि, ओ नहि मात्र साहित्य सृजनक माध्यमसँ बल्कि वाञ्छित स्थलपर आन्दोलनात्मक गतिविधिसँ सेहो मातृभाषाक अधिकार प्रति लोकजागरण कयलन्हि – गाम-गाममे विद्यापति स्मृति समारोहक आयोजन कय सम्पूर्ण मैथिल समाजकेँ एकजूट करबाक प्रयास सेहो इतिहास किरणजीक नाम सँ सुमिरैत अछि ‍- ई समस्त बात कथाकार डाॅ शिवशंकर श्रीनिवास कहलनि। ओ कहलनि जे हुनक रचना यथा चन्द्रग्रहण, लघु उपन्यास विजेता विद्यापतित, ध्रुव, अभिमन्यु, जय जन्मभूमि सहित अन्यान्य रचना प्रगतिशील धारा पर लिखल गेल रचना सब थिक।
 
प्रथम सत्रक संचालन संस्थापक अध्यक्ष मलय नाथ मण्डन द्वारा कयल गेल तहिना काव्य सत्रक संचालन डॉ. रामसेवक झा तथा एहि आयोजनक महत्वपूर्ण संयोजन सुमित सुमन केने छलाह। कीर्तिकुम्भ मे साहित्यांड़्गनक प्रेरक आचार्य यन्त्र नाथ मिश्र वाजसनेयी, महाकवि पं. जीवनाथ झा, राजकमल चौधरी, ज्योत्सना चन्द्रम, म.म. मुरलीधर झा, म.म. परमेश्वर झा, मदनेश्वर मिश्र, प्रो. आनन्द मिश्र, दिनेश नाथ मिश्र, योगानन्द झा केर अतिरिक्त म.म. बालकृष्ण झा, डाॅ. बद्री नारायण झा, नैयायिक दुर्गाधर झा, प्रो. उपेन्द्र ठाकुर केर प्रति श्रद्धासुमन अर्पित कयल गेल। विदित हो जे साहित्याङ्गन हरेक मास मैथिली भाषामे योगदान कयनिहार स्रष्टा जिनक जन्म ताहि मासमे पड़ैछ तिनका सब गोटाकेँ विशेषरूपसँ स्मृतिगान करैत आयोजन करैत आबि रहल अछि, जेकर ई २५म भाग छल आर एहि मास लक्ष्मीनाथ गोसाईं सहित किरणजी व अन्य स्रष्टा लोकनिक योगदानकेँ स्मरण करैत ई आयोजन पूरा कयल गेल अछि।
मंचासीन साहित्यकार द्वारा साहित्याङ्गनक मुखपत्र केर लोकार्पण कयल गेल। मुखपत्र मे साहित्याङ्गनक दुइ वर्षीय कार्यक व्योरा समेटल गेल अछि। समारोह केँ रामचन्द्र मिश्र मधुकर, केदारनाथ झा, डॉ. नन्दकुमार मिश्र, सोहन मिश्र, विश्वमोहन झा सेहो सम्बोधित कयलन्हि। काव्य सत्र मे अपन रसानुभूति कविता सँ आनन्द मोहन झा, डॉ.संजीव शमा, प्रो. ईशनाथ झा, नारायण झा, रामप्रीत पासवान, विभूतिनाथ झा, दिनानाथ प्रसाद, सुधीर कुमार झा, अनिल ठाकुर, रामविलास साहु, बमबम झा, राजाराम मिश्र, सुशील झा, डॉ. रामसेवक झा ओतप्रोत कयलाह। काव्य सत्र केर अध्यक्षता अमरनाथ झा कयने छलाह। कार्यक्रम में मुखिया सुभाष झा, मुखिया नारायण झा, नागेन्द्र झा, शंकर झा, सरपंच सतीश चन्द्र झा सहित सैकड़ों ग्रामीण उपस्थित रहथि। आगत अतिथि लोकनिक स्वागत इन्द्रदेव ठाकुर कयलनि।